12 पिलातस उसबके फेनो कहल्कै, “जकरा तुसब ‘यहुदीसबके रजा’ कहैचिही, तकरा हम कथी करबौ?”
इजराएलके लोकसबके पस्चातापके खातिर आ ओइसबके पापसे छमा दैके खातिर परमेस्वर येसुके परभु आ मुक्तीदाता बनाके आपन देहना कात बैठेल्कै।
उसब येसुके दोस लगाइत कहल्कै, “यि लोक आपनौरके रास्टके लोकसबके बहक्या रहल हमरासबके भेटलै। यि रोमी सरकारके बटी नै दहै आ उ आपनके हम खिरिस्ट आ रजा कहैछै।”
“सियोनमे रहैबला लोकसबके कैहदहै, ‘देख, आब तोरासबके रजा तोरेसबके लग आइबरहल छौ, उ कोमल हिरदयके छै, उ गदहामे, गदहाके बच्चामे चहैरके आइबरहल छै।’”
येसुके बदलामे बारब्बाके छोइरदियौ कैहके मुल पुजारीसब भिरके लोकसबके उसकेल्कै।
उसब हल्ला करैत कहल्कै, “अकरा कुरूसमे लटका!”