1 बिहान सबेरे मुल पुजारीसब, धरमगुरुसबसे, अगुवासबसे आ महासभाके सब सदससबसे सङे आपसमे सरसल्लाह कैरके योजना बनेल्कै। तब उसब येसुके बाइन्हके बडाहाकिम पिलातसलग आनल्कै।
अबराहम, इसहाक आ याकुबके परमेस्वर, अपनासब पुरखासबके परमेस्वर आपन सेबक येसुके महिमीत करल्कै, जकरा अहाँसब पकराइलियै आ पिलातस ओकरा छोइरदैके बिचार करल्कै तैयो अहाँसब ओकरा पिलातसके अगामे इन्कार करलियै।
तब बिहान भेलाके बाद अगुवासब, मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसब जमा भेलै आ येसुके आपन महासभामे लगेलै।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ आपन भाइसे करोध करैछै, उ सजायके भागिदार हेतै, जे कोइ आपन भाइके अपमान करैछै, ओकरा धारमिक महासभामे जबाब देबे परतै। महज जे कोइ आपन भाइके सराप दैछै, उ नरकके आइगमे खसै जोकरके हेतै।