5 येसु उसबके कहल्कै, “होसियार रह, तोरासबके कोइयो नै बहकावे!
होसियार रह, कोइ नै तोरासबके दरसन सास्तर या लोकसबके छल कपटसे बातमे फसाबे। एहेन बातसब खिरिस्टसे नै महज लोकसबके परम्परा आ सन्सारके सिक्छासे एलछै।
कोइ नै बेरथके बात कैरके तोरासबके धोखा दैले पाबे। कथिलेत बेरथके बातसबके कारन परमेस्वरके दन्ड थेथरमे परैछै।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हमरसङे पबितर आत्मा छै कहैबला जकरे-तकरेमे बिस्बास नै कर, महज ओइसबसङे परमेस्वरके आत्मा छै कि नै छै, जाँचके देख कथिलेत बहौत झुठा अगमबक्तासब सन्सारमे एलछै।
महज तोरासबके कोइयो नै कोनो परकारसे धोखा देबे। कथिलेत परमेस्वरके बिरोधमे बहौत बरका बिरोध नै हेबे तलिक आ नास हैबला बेबस्था भङ करैबला लोक नै आबैतलिक परभुके दिन नै एतै।
एहन बातसबके धोखामे नै पर। कथिलेत खराब सङहतसे असल लोक सेहो बिगरैछै।
येसु कहल्कै, “होसियार रह, तोरासबके कोइयो नै बहकाबे। ‘समय नजदिक चैल एलछै’ आ हमर नाममे बहुत लोकसब ‘हम्ही खिरिस्ट चियै’ कहतौ, महज ओकरौरके पछा तुसब नै जैहे।
“हमरासबके कहु, यि घटनासब कहिया हेतै? आ यि हेबे लाग्तै त केहन चेन्हासब देखा परतै?”
बहुत लोकसब हमर नाममे ‘हम्ही खिरिस्ट चियौ’, कहैत एतौ आ बहुत लोकसबके बहकेतौ।