13 तब हमर नामके खातिर तुसब लोकसबसे घिरनित हेब्ही आ जे अन्ततक स्थिर रहतै उ उदार पाबतै।”
हमर खातिर तुसब लोकसबसे घिरनित हेब्ही। महज जे अन्तिम दिनतक स्थिर रहतै, उ उदार पाबतै।
महज अन्ततक असथिर रहैबला बच्याल जेतै।
“धैन तुसब, मानबके बेटाके खातिर तोरासबके घिरना करतौ, समाजसे बहिस्कार करतौ, निन्दा करतौ आ बदनाम करतौ त तुसब धैनके हेब्ही।
भलाइ करैले नै थाक, कथिलेत अइमे लागल रहबिही त, ठिक समयमे तकर कटनी करबिही,
जे लोकसब निरन्तर भलाइके काम कैरके आदर, इज्जत आ अनन्त जिबनके खोजी करैछै, ओइसबके परमेस्वर अनन्त जिबन देतै।
हमर नाममे बिस्बास करलाके खातिर उसब तोरासबके यि सब सताइबला काम करतौ, कथिलेत उसब हमरा पठाइबला पिताके नै चिन्हैछै।
तोरा जे कस्ट परेबलाछौ ओइसे नै डरा। तोहर बिस्बास जाँचके लेल सैतान तोरासबमेसे कतेक लोकके जहलमे ढोकतौ। अहिनङ कैरके तोरासबके दस दिनतक कस्ट सहैले परतौ। तु मिरतु तक हमरमे बिस्बास करैले नै छोर। तब हम तोरा जिबनके मुकुट देबौ।’
महज हमसब पछा हटैबला आ नास हैबला लोक नै चियै, हमसब त बिस्बास कैरके मुक्ती पाबैबला लोकसब चियै।
यदि अपनासब खिरिस्टमे करल सुरुके भरोसाके अन्ततक जोगाके राखबै त, अपनोसब खिरिस्टसङे साझा हकदार हेबै।
हम ओइसबके अहाँके बचन देलियै, महज सन्सारके लोकसब ओकरासबके घिरना करल्कै, कथिलेत उसब सन्सारके नै चियै, जहिनङे हम सन्सारके नै चियै।
हमरा बिस्बास करलाके कारन सब लोकसब तोरासबके घिरना करतौ।
“तब लोकसब तोरासबके पकैरके दुख दैकेलेल लजेतौ, तोरासबके मारतौ। तुसब हमरा बिस्बास करैके कारन सब जातीसब तोरासबके दुस्तौ।
पिरथिबीके सब जातीसबके जाँचैले अइ सन्सारमे आबैबला दुख कस्टसे हम तोरा बचाइबौ, कथिलेकी तुसब बहुत बात सैहके हमर आग्यापालन करनेचिही।
उ लोक धैनके चियै, जे आपत-बिपतमे अस्थिर रहैछै, कथिलेकी जाँचके सामना करलाके बाद उ जिबनके मुकुट पाबतै, जे परमेस्वरके परेम करैबलासबके परमेस्वर दैले परतिग्या करने छै।
हे भाइ-भैयासब, जब सन्सारके लोकसब तोरासबके घिरना करतौ तब अचम नै मान।
“महज एक भाइ दोसर भाइके मिरतुके लेल सोप्तौ आ बाबु बेटाके, बेटाबेटीसब आपन माँ-बाबुके बिरोधमे खरा भ्याके मारे लगाइतौ।