10 महज पहिने सब जातीसबमे सुसमाचार परचार हैकेचाही।
परमेस्वरके राजके यि सुसमाचार परचार सन्सार भैर करलजेतै, ताकि सब जातीके लोकसब सुनैके मौका पाबे, तकरबादे यि सन्सारके अन्त हेतै।
साँचोके तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर आ बलगर भ्याके सुनल सुसमाचारके आसासे पछा नै हट। एह्या सुसमाचार चियै, जे सन्सारके सब लोकसबके परचार करलगेलछै। हम पावल सेहो एह्या सुसमाचार सुनाइले परमेस्वरके सेबक भेलचियै।
तब हम बिच अकासमे उरैत दोसर स्वरगदुतके देखलियै। पिरथिबीमे रहैबला हरेक जाती, कुल, भसा आ देसके लोकसबके सुनाबैले ओकरसङे अनन्त सुसमाचार छेलै।
यि सुसमाचार तोरोसबके बिचमे एलछौ आ खिरिस्टके यि सुसमाचार सन्सारके बहुतो ठामसबमे लोकसब सुइनके बिस्बास कैररहलछै आ ओइसबके जिबन परिबरतन भ्यारहलछै। तुसब परमेस्वरके अनुगरहके बारेमे सत बात सुनल आ बुझल दिनसे सुसमाचार तोरोसबमे सेहो ओहिनङे काम कैर रहलछौ।
ओनङ छै त, “तब कि उसब सुसमाचार नै सुन्नेछै से?” उसब साँचोके सुन्नेछै। परबितर धरमसास्तरमे एहन लिखलछै, “ओइसबके सुसमाचार पिरथिबीके सब ठाममे पुगलछै आ ओइसबके सन्देस सन्सारके कोना-कोनातक पुगलछै।”
तब येसु उसबके कहल्कै, “जो आ सरा सन्सारमे ज्याके सरा सिरिस्टीके सब लोकसबके सुसमाचार परचार कर!
उसब परमेस्वरके आत्माके सक्ती, अचमके चेन्हासब आ कामसब दुवारा बिबस करलगेल छेलै। अहिनङे हम यरुसलेमसे इल्लुरिकन परदेसतक पुरे खिरिस्टके सुसमाचारके परचार करने चियै।
सबसे पहिने, तोरासबके लेल येसु खिरिस्ट दुवारा हम आपन परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेकी खिरिस्टमे करल तोरासबके बिस्बासके बारेमे सारा दुनियामे फैललछै।
नियाइके दिनमे निनवेके लोकसब खरा भ्याके अइ पुस्ताके लोकसबके दोस लगाइतै, कथिलेत उसब योनाके परचारमे पस्चाताव करल्कै। महज देख, अते एक गोरे छै जे योनासे बरका छै।