5 तब मालिक तेसर नोकरके पठाइल्कै महज उसब ओकरा जानसे मारदेल्कै। तहिनङे बहुत नोकरसबके पठाइल्कै, उसब ककरो मारपिट करल्कै त ककरो जानसे मारदेल्कै।
तोरासबके परमेस्वर पिता जेहेन दयालु छौ, तुहुसब ओहिनङ दयालु हो।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, एलिया आइबगेल छै आ ओकर बारेमे धरमसास्तरमे लिखल बमोजिम लोकसबके जे मन लाग्लै उसब सेह्या करल्कै।”
“ए यरुसलेमके लोकसब! तु अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वर तोरासबलग पठेल्हासबके पथलसे मारैचिही। जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे राखैछै, ओहिने हम बहुतो बेर तोहर बच्चासबके बचाइले चाहलियै, महज तु नै मानलिही।
बाकी रहल लोकसब ओकर नोकरसबके पकैरके दुरबेबहार करल्कै आ जानसे माइरदेल्कै।
तब खुसी आ आनन्द मना, कथिलेत तोरासबके खातिर स्वरगमे बरका इनाम राखल छौ। अहिनङे तोरासबसे पहिनेके अगमबक्तासबके उसब सताइने रहै।
मालिक फेनो दोसर नोकरके पठाइल्कै, महज बटिदारसब ओकरो कपार फोरके बेजत करल्कै।
अन्तमे ओकर आपन एकलौता बेटा मातरे रैहगेलै। ‘उसब त हमर बेटाके पक्के आदर करतै’ कैहके सबसे पछा बटिदारसबलग पठाइल्कै।