26 कि तुसब जि उठैके बारेमे मोसाके किताबमे नै पढनेचिही? से बात जरैत पोथराके घटनामे परमेस्वर मोसाके कहल्कै, ‘हम अबराहमके परमेस्वर, इसहाकके परमेस्वर आ याकुबके परमेस्वर चियौ।’
मरलहासब जि उठतै तै बातके परमान मोसा बहुत निकसे देने छेलै, से बात जरैत झारके घटनासे उ परभु पुकारैत ‘हे अबराहमके परमेस्वर, इसहाकके परमेस्वर आ याकुबके परमेस्वर’ कहल्कै।
तुसब पबितर धरमसास्तरमे नै पढनेचिही? ‘जै पथलके घर बनाइबला मिसतिरीसब छाइट देल्कै, सेह्या जगके मुल खम्हा बन्लै,
कथिलेत, जब उसब जिके उठतै, नै उसब बियाह करेतै, नै उसबके बियाह हेतै, महज उसब त स्वरगके स्वरगदुतसब जखा हेतै।
येसु ओकरा कहल्कै, “हमरा नै छु, कथिलेत अखुनतक हम पिताके लग उपर नै गेल चियै। बरु हमर भाइसबलग ज्याके ओकरासबके कैहदहै कि हम आपन पिता आ तोरासबके पिता, आपन परमेस्वर आ तोरासबके परमेस्वर लग उपर ज्यारहल चियै।”
परमेस्वर सुरुवेसे छानल आपन लोकसबके नै त्यागने छै। पबितर धरमसास्तरमे अगमबक्ता एलियाके कहल बात तोरासबके थाह नै छौ से? उ इजराएलीसबके बिरोधमे परमेस्वरसे अनङके बिन्ती करल्कै,