22 येसु ओइसबके कहल्कै, “परमेस्वरमे बिस्बास राख।
येसु चेलासबके कहल्कै, “तोरासबके मन बेचैन नै हेबे। तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही आ हमरोमे बिस्बास कर।
तब येसु ओकरा कहल्कै, “कथिले सक्बै कहैचिही? बिस्बास करैबलाके लेल सबकुछ सम्भब हैछै।”
हम पावल परमेस्वरके सेबक आ येसु खिरिस्टके परेरित यि चिठी लिखरहलचियै। परमेस्वरके चुनल लोकसबके बिस्बासमे बलगर बनाइले आ ओइसबके सतके ग्यान दैले परमेस्वर हमरा पठेल्कै। उ ग्यान परमेस्वरके इक्छा अनुसार जिबन जियैले सहायता करैछै।
कथिलेत बप्तिस्मा लैतखिना तुसब खिरिस्टसङे गारल गेल्ही आ मरलसे खिरिस्टके जियाइबला परमेस्वरके सक्तीमे बिस्बास करलाके कारनसे खिरिस्टसङे जिबित भेलचिही।
येसु उसबके जबाफ देल्कै, “तोरासबके बिस्बासमे कमि भेलाके कारन अनङ भेलै। साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी तोरासबमे रायके बिया बराबर बिस्बास रहतौ त यि पहारके ‘अतसे हैट जो’ कहबिही त हैटजेतौ आ तोरासबके लेल कोनो चिज असम्भब नै हेतौ।
तब येसु उसबके जबाफ देल्कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी तोरासबमे बिस्बास छौ आ सङका नै कैरके यि अन्जिरके गाछके जे हम करलियै अतबेक नै, महज यि पहारके ‘तु अतेसे उखैरके समुन्दरमे खस’ कहबिही त तहिनङे हेतौ।
येसु कहल्कै, “या” तब पतरुस नाहसे उतैरके पानी उपरमे चलैत येसु दिसन आबे लाग्लै।