12 दोसर दिन बेथानियासे आबैतखिना येसुके भुख लाग्लै।
जब येसु सबकाम पुरा भेलै कैहके थाह भेलै से जाइनके पबितर धरमसास्तर पुरा हैके उदेस्यसे “हमरा पियास लाग्लै” कहल्कै।
चालिस दिन आ चालिस रात येसु उजार जगहमे उपासे रहलै आ तकरबाद उ बहौत भुख्याल छेलै।
ओहैसे सब बातमे उ आपन भाइ-भैयासब जखा बनैले आबस्यक छेलै। ताकि उ परमेस्वरके सेबामे दयालु आ बिस्बासयोग्य परधान पुजारी बन्लै आ लोकसबके पाप छमा दैकेलेल उ आपने बली भेलै।
चालिस दिन उजार जगहमे सैतान से येसु परिक्छामे परलै। ओइ बखत येसु कथियोनै खेने रहै तब ओकरा चालिस दिनके बाद भुखलाग्लै।
तब दुरेसे हरियर पतासे भरल अंजिरके गाछ देखके ओइमे फल भेटतै कि कैहके उ ओते गेलै। जब उ ओते पहुचलै ओइ गाछमे पता बाहेक कुछो नै भेटलै, कथिलेत तै बखत अंजिर फरैबला समय नै भेलरहै।
बिहान सबेरे ओतेसे रस्तामे जाइत जाइत उसब ओइ अन्जिरके गाछके जैरेसे सुखल देखल्कै।