52 येसु ओकरा कहल्कै, “जो, तोहर बिस्बाससे तु निक भेल्ही।” तब उ तखुन्ते देखे लाग्लै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत ओकर पछा लाग्लै।
तब ठामे घुइमके येसु ताकल्कै त ओइ जनिके देखल्कै आ कहल्कै, “बेटी, साहस कर, तोहर बिस्बास तोरा निक करल्कौ।” उ जनी तखुन्ते निक भ्यागेलै।
महज येसु जनिजाइतके कहल्कै, “तोहर बिस्बाससे तोरा बचाइनेछौ, सान्तीसाथ जो।”
येसु फेनो ओकर आँखमे आपन हाथ राखल्कै आ उ एकटक लग्याके ताकल्कै। तब ओकर आँखमे रोसनी एलै आ उ फेनो निकसे देखे लाग्लै।
तब येसु ओकरा कहल्कै, “बेटी, तु बिस्बास कैलाके कारन निक भेल्ही। निकसे जो। तोहर बिमारसे तु मुक्त भेलचिही।”
जहियासे सन्सार सुरु भेल छै, तहियासे आइतक जलमेसे अन्हर लोकके आँख खोइलदेल्कै से बात कहियो नै सुन्ने चियै।
तब येसु ओकरा जबाब देल्कै, “ए जनि, तोहर बिस्बास बहौत बरका छौ। जैहनङ तु चाहैचिही तैहनङ तोहर लेल हेबे।” तखुन्ते ओकर बेटी निक भ्यागेलै।
तु ओकरासबके आँख खोइलके अन्हारसे इजोतमे आ सैतानके बन्धनसे परमेस्वर दिसन घुमाबे। जैसे उसब हमरमे बिस्बास करे आ ओकरसबके पाप छमा भ्याजाय आ परमेस्वरके पबितर करल लोकसब रहल ठाममे रहे पाबे।’
तब येसु ओकरलग गेलै आ ओकर हाथ पकैरके उठेल्कै। तखुन्ते जर बोखार ओकरा छोरल्कै आ उ ओकरासबके स्वागत-सत्कार करल्कै।
तब मन्दिरमे अन्हरासब आ नेङरासब येसु लग एलै आ उ ओइसबके निक करल्कै।
तब लोकसब एकटा भुत आत्मा लागल आन्हर आ बौक लोकके येसु लग आनल्कै। येसु ओकरा निक करल्कै तब उ लोक बोले आ देखे लाग्लै।
तब येसु कहल्कै, “नै देखैबलासब देखे आ देखैबलासब अन्हर हेबे कैहके हम सन्सारमे नियाइ करैले एलचियै।”
अन्हरासब देखैछै, नेङरासब चलैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब सुध हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जिजाइछै आ दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।
आ चेलासबके कहल्कै, “जे कोइ हमर नामसे अइ बालकके सुइकार करतै, उ हमरा सुइकारतै, जे हमरा सुइकार करतै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। कथिलेत जे कोइ सबसे छोट छै, ओहे सबसे बरका हेतै।”
तब येसु आपन हाथ अगा बरहाके छुबल्कै आ कहल्कै, “हम चाहैचियौ, तु सुध भ्याजो।” उ तखुन्ते कोढि-कुस्टीसे सुध भेलै।