40 महज आपन देहना कात आ बमा कात बैठाबैके अधिकार हमरा नै छै। परमेस्वर यि ठाम जैसबके खातिर तैयार कैररहलछै, उ ओइसबके खातिर चियै।”
तकरबाद रजा आपन देहना कात ठारभेल लोकसबके कहतै, ‘हे हमर पितासे आसिरबाद पाबल लोकसब! ओइ राजके भोगबिलास करु, जकरा सन्सारके उतपतीएसे तोरासबके लेल तैयार करने छै।
तब येसु फेनो कहल्कै, “हँ, हमर पियैबला दुखके बाटीसे तुसब पिब्ही, महज हमर देहना आ बमा कातमे बैठे दैके अधिकार हमर हाथमे नै छै। उ ठाम ओइसबके चियै, जकर खातिर हमर पिता तैयार करने छै।”
महज उसब त ओहौसे सुन्दर, अरथात एकटा स्वरगके देसके इक्छा करने छेलै। अहैलेल परमेस्वर “हम ओइसबके परमेस्वर हेबै” कहैले नै लजाइछै, कथिलेकी ओइसबके लेल एकटा सहर तयार करने छै।
“हे पिता, हम इक्छा करैचियै कि, जकरासबके अहाँ हमरा देनेचियै, सेसब हमरसङे रहे आ हमर महिमा देखे, जे महिमा सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँ हमरा परेम करलाके कारनसे देनेछेलियै।
कथिलेत अहाँ आपन बेटाके सब लोकसब उपर अधिकार देनेचियै, ताकि अहाँके देल सब लोकसबके अनन्त जिबन देबेसकी।
उ आपन चेलासबके जबाफ देल्कै, “तोरासबके त स्वरगके राजके भितरी भेद जानैले देने छौ, महज ओकरासबके नै देने छै।
येसु ओकरासबके कहल्कै, “परमेस्वर आपन अधिकारसे तोकल तिथी आ मिती तोरासबके जानैके जरुरी नै छौ।