39 उसब जबाब देल्कै, “हँ हमरौरके सक्बै।” ओइसबके येसु कहल्कै, “जे दुखके बाटी हम पियैचियौ उ तुसब पिब्ही आ जे बप्तिस्मा हम लेनेचियौ उ बप्तिस्मा तुहेसब लेब्ही।
हम युहन्ना, खिरिस्टमे तोरासबके भैया चियौ। येसुमे बिस्बास करलाके कारन हम तोरासबसङे धिरज होके सहने चियै, जे दुख ओकर राजमे हैबलासबमे सेहो आबैछै। परमेस्वरके बचन आ येसु खिरिस्टके करल सतके बारेमे परचार करलाके कारन हमरा पत्मोस टपुमे कैद कैरके राखने छेलै।
उ युहन्नाके भैया याकुबके तरबारसे मारे लगाइल्कै।
अखुन हम तोरासबके खातिर दुखो भोइगके खुसी चियौ कथिलेत खिरिस्टके देह अरथात मन्डलीके खातिर बाकी रहल दुख-कस्टसब हम आपन देहमे भोइगके पुरा करैचियौ।
हम ओइसबके अहाँके बचन देलियै, महज सन्सारके लोकसब ओकरासबके घिरना करल्कै, कथिलेत उसब सन्सारके नै चियै, जहिनङे हम सन्सारके नै चियै।
हम जे बातसब कहलियौ तै बातसबमे गौरसे बिचार कर कि ‘नोकर आपन मालिकसे बरका नै हैछै।’ सन्सारके लोकसब हमरा त सतेल्कै उसब तोरोसबके सताइतौ। यदी सन्सारके लोकसब हमर बात मान्तै त, तोरोसबके बात सेहो मान्तौ।
महज पतरुस कहल्कै, “परभु, हम अखुन कथिले पछा आबैले नै सक्बै? हम त अहाँके लेल जानो द्यादेबै।”
तब उ कहल्कै, “हे, पिता अहाँके लेल सब चिज सम्भब छै। यि दुखके बाटी हमरसे हटा दिय। महज हमर इक्छा करल जखा नै, अहाँके इक्छा करल जखा हेबे।”
महज पतरुस औरो जोरसे कहल्कै, “यदी हमरा अहाँसङे मरहु परतै त हम अहाँके इन्कार नै करब।” तब औरो चेलासब एह्या बात कहल्कै।
तै खातिर चेला आपन गुरु जखा आ नोकर आपन मालिक जखा भेनाइ बहुत चियै। यदी उसब घरेके मालिकके बालजिबुल कहैछै त ओकर खानदानके औरो कि-कि नै कहतै!
आ आपन पाप सुइकार करैत यरदन लदीमे ओकरसे बप्तिस्मा लेबे लाग्लै।