34 तब उसब ओकरा हसी उराइत, ओकरा थुक्तौ आ ओकरा कोरासे पिटतौ आ माइर देतौ। महज तिन दिनके बाद उ फेनो जिबित भ्याके उठतौ।”
ओइसबमेसे कोइ-कोइ ओकरा थुक दैले लाग्लै। आँखमे पट्टी बाइन्हके थपराइत कहल्कै, “ले तु अन्तरयामी चिही त, कह त तोरा के पिटल्कौ?” तब सिपाहीयोसब ओकरा थापर मारल्कै।
तब उसब ओकरा मुहमे थुकल्कै, मुका मारल्कै। कुछ लोक थपराइत कहल्कै,
ओह्या दिनसे येसु आपन चेलासबके खोइलके सब बात कहैले लाग्लै, “हम यरुसलेम जेबै आ ओते अगुवासब, मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसबसे बहुत दुख भोग्बौ, मारल जेबौ आ तेसर दिनमे फेनो मिरतुसे जिके उठबौ।”
उ गारलगेलै आ पबितर धरमसास्तर अनुसार तेसर दिनमे परमेस्वर ओकरा फेरसे जिबित करल्कै।
“सबलोक पहिने असल्का मध पियैले दैछै आ जब लोकसब बहुते पिलैछै, तब मातरे दबका पियैले दैछै, महज अहाँ त असल्का अखुनतक राखने चियै।”
कथिलेत बेबस्था मोसासे एलै, महज अनुगरह आ सत्यता येसु खिरिस्टसे एलै।
हेरोद आपन सेनासबसङे येसुके गिल्ला करैत ओकरा अपमान करल्कै। तकरबाद ओकरा रजासब जेहेन बस्तर लगाइछै तैहनङे बस्तर पिन्हाके पिलातसलग घुम्याके पठादेल्कै।
यि बात सुइनके परधान पुजारी आपन बस्तर फाइरके कहल्कै, “आब कथिले अकर बिरोधमे हमरासबके कोनो परमान चाही?
“हौ सरकार! हमरासबके याद छै जे उ ठक आदमी जिबित भ्याल बखत ‘हम तिन दिनके बाद फेनो जिबित भ्याके उठबै’ कहने छेलै।
कथिलेत येसु आपन चेलासबके सिक्छा दैत कहल्कै, “मानबके बेटा लोकसबके हाथमे पकरल जेतौ, उसब ओकरा मारतौ आ तेसर दिनमे उ फेनो जिके उठतौ।”