22 यि बात सुइनके उ लोक उदास भेलै आ दुखी भ्याके चैलगेलै, कथिलेत उ बहुत बरका धनिक छेलै।
तब येसु भिरमे भेल्हा सब लोकसबसे कहल्कै, “सब परकारके लोभ लालच करैसे होसियार रह, कथिलेत लोकके जिन्गी ओकर धने सम्पैतमे अरल नै रहैछै।”
कथिलेत डेमास सन्सारके मोहमे फैसके हमरा छोइरदेल्कै आ थेसलोनिकेमे चैलगेलै। केरसेन्स गलातियामे आ तितस दलमातियामे गेलछै।
तोरासबके यि बात जानैये परतौ, कि बेबिचार करैबला, अपबितर आ लोभ करैबला लोकके (जे मुरतिपुजा चियै) खिरिस्ट आ परमेस्वरके राजमे कोनो हक नै छै।
जे परमेस्वरके इक्छा सुइकार कैरके दुख मानैछै आ पस्चाताप करैछै, तकरा परमेस्वर बचेतै। एहेन किसिमसे दुखमे पछताइले नै परैछै। महज सन्सारके लोकसब जखा दुख मातरे करैछै त उ मिरतु दिसन लजाइछै।
महज यि बात सुइनके यहुदी सासक उदास भेलै, कथिलेत उ बहुत बरका धनिक छेलै।
यि बात सुइनके उ लोक एकदम निरास भेलै आ ओतेसे चैलगेलै, कथिलेत ओकरा बहुत धन-सम्पती रहै।
काँटके झारमे परल बिचहन उ लोक जखा चियै, जे बचन सुनैछै, महज सन्सारके चिन्ता आ धन-सम्पतीके मोह-मायासे बचनके दाइब दैछै। उ बचन ओकर जिबनमे कोनो परकारके फल नै फराबैछै।
ओइ बखत रजा एकदम दुखी भेलै आ भोजमे एल्हा मेजमानसबके अगा आपन करल बचन तोरैले नै चाहल्कै।
येसुके मिरतुदन्ड द्याल बात सुइनके धोखा दैबला यहुदा इस्कोरियोतके पछुताबा भेलै। उ मुख पुजारीसब आ अगुवासब लग चानीके तिस डलर ल्याके गेलै,
कथिलेत युहन्ना एक धरमी आ पबितर लोक चियै थाह पाइबके हेरोद ओकरसे डराइछेलै आ सुरक्छित राखने छेलै। युहन्नाके सिक्छा सुनैबखत उ बहुत घबराल छेलै महज तैयो ओकर बातसब धियान द्याके सुनैछेलै।
तब येसु ओकर दिसन ताइकके परेमसे कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहरसङे भेल्हा सब धन-सम्पती बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन भेटतौ आ हमर पछा लाग।”
तब येसु चारुदिसन ताइकके आपन चेलासबके कहल्कै, “धनिक लोकसबके परमेस्वरके राजमे आबैले बहुत कठिन हैछै।”