5 यहुदियाके पुरे इलाका आ यरुसलेम सहरके सबलोक निकैलके युहन्ना लग एलै आ आपन-आपन पाप माइनके उसब यरदन लदीमे बप्तिस्मा लेल्कै।
बहुतो बिस्बास करैबलासब एलै आ खुलस्त रुपमे आपन-आपन करल खराब कामसब सुइकार करल्कै।
पतरुस ओइसबके कहल्कै, “पस्चाताप कर आ तोरौरके पापसे छमा पाबैके खातिर येसु खिरिस्टके नाममे तोरौरके सबकोइ बप्तिस्मा ले, तोरासबके पबितर आत्माके बरदान पाबबिही।
युहन्ना सेहो सालीमके कात एनोनमे बप्तिस्मा दैत रहै कथिलेकी ओते बहौत पानी छेलै। लोकसब ओते आबैछेलै आ बप्तिस्मा लैछेलै।
यि सब बात यरदन लदीके ओहै कात बेथानिया कहैबला ठाममे भेलै, जते युहन्ना बप्तिस्मा दैतरहै।
तब गालिल परदेस, डेकापोलिस इलाका, यरुसलेम सहर, यहुदिया परदेस आ यरदन लदीके ओइ पारसे बहौत बरका भिर ओकर पछा लाग्लै।
तहिनङे बप्तिस्मा दैबला युहन्ना लोकसबके बप्तिस्मा दैत उजार जगहमे देखा परलै। उ एहेन कैहके परचार करल्कै, “तुसब पस्चाताप कर आ बप्तिस्मा ले आ परमेस्वर तोरासबके पाप छमा कैरदेतौ।”
युहन्ना उंटके रुइयाँसे बन्याल बस्तर पिन्हैछेलै आ डारमे छलाके डरकसना बान्हैछेलै। तब उ फैनगा आ बोनके मौध खाइछेलै।
युहन्ना त बरैबला आ चम्कैबला चिरखा छेलै आ कुछ समयतलिक ओइके इजोतमे आनन्द मनाइले राजी भेल्ही।
ओहैसे यदि निक हैले चाहैचियै त आपन करल पाप एक-दोसरके अगा सुइकार कर आ एक-दोसरके खातिर परथना कर। धरमी लोकके करल परथनासे परमेस्वर सक्तिसाली आ परभावकारी तबरसे काम करैछै।