21 तब उसब कफरनहुम सहरमे गेलै। पबितर बिसराम दिनमे येसु यहुदी सभाघरमे ज्याके सिक्छा दैले लाग्लै।
बिसरामके दिन येसु सभाघरमे सिक्छा देबे लाग्लै। येसुके सिक्छा सुनैबला बहौत लोकसब छक्क परैत कहल्कै, “यि लोक यि सब बातसब कतेसे सिखल्कै? अकरा कतेसे एहेन बुइध एलै? कनङके यि एहेन अचम-अचमके कामसब करे सकैछै?
तब येसु पुरे गालिल इलाकामे घुम्लै आ सभाघरसबमे सिक्छा दैत आ लोकसबसे भुतसब निकालैत गेलै।
येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै, स्वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्कै।
पावल आपन आदत अनुसार अहौ ठामके सभाघरमे गेलै। उ ओते तिन हप्ता तक पबितर बिसराम दिनमे धरमसास्तरमे लिखल बातसबमे ओइसबसङे बात-चित करैत रहलै।
सब बिसराम दिनके पावल सभाघरमे ज्याके यहुदी आ गिरिक लोकसबसे बात-चित करै आ उसब सेहो परभु येसुके सुइकार करे कैहके ओकरासबके मनाइले चाहैत रहै।
आ नासरत सहर छोइरके कफरनहुममे ज्याके ओतै रहेलाग्लै। यि सहर जबुलुन आ नप्ताली कुलके इलाका, समुन्दरके पखामे परैछै।
एकचोटी पबितर बिसराम दिनमे येसु एकटा यहुदी सभाघरमे सिक्छा दैछेलै।
तब हे कफरनहुमके बासिसब, तुसब स्वरगतक ज्याके आदर सम्मान देबही से सोचैचिही? नै, तुसब त नरकमे खसबिही।
येसु नासरत गाममे एलै, जते उ बरहल छेलै। ओते उ पबितर बिसरामके दिन यहुदी सभाघरमे जाइ छेलै। पबितर धरमसास्तर परहैले ठार भेलै।
तब येसु उ ठाम छोइरके यरदन लदीके ओइपार यहुदियाके इलाकामे गेलै। बहुत लोकसबके भिर ओकरलग एलै आ उ आपन आदत अनुसार ओइसबके फेनो सिक्छा दैले लाग्लै।
कन्हिक दिन बाद येसु कफरनहुम सहरमे घुइमके एलै। उ घरेमे छै कैहके लोकसब सुनल्कै।
येसु ओहोसबके तखुन्ते बोलाइल्कै आ उ सब आपन बाबु जब्दियाके आ ओकर कामदारकेसङे नाहेमे छोइरके ओकर पछा लाग्लै।
तुरन्ते उसब यहुदी सभाघरसे निकैलके सिमोन आ अन्दरियासके घरमे गेलै। उसबसङे याकुब आ युहन्नो गेलै।
पुरे सहरके लोकसब घरके अङनामे भिर लागल छेलै।
बादमे फेनो येसु सभाघरमे ढुक्लै। ओते सुखलहा हाथ भेल एकटा लोक छेलै।
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “साँचोके तुसब हमरा यि फोकरा कहबिही, ‘ए बैध, तु अपने आपके निक कर।’ तोहे कफरनहुममे जे जतेक करलिही से हमरासबके सुन्ने छेलियौ, से आपने गाम-ठाममे कर।”