1 परमेस्वरके बेटा येसु खिरिस्टके सुसमाचार अनङके सुरु हैछै।
येसु परमेस्वरके बेटा, मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास कर आ बिस्बासके कारन ओकर नाममे तुसब जिबन पाबबिही कैहके यि सब बात अइ किताबमे लिखलगेल छै।
पतरुस यि बात बाजतेछेलै कि तखुन्ते एकटा चम्कौवा बादल एलै आ छाहसे ओइसबके झाइपदेल्कै। तकरबाद ओइ बादलसे एकटा एहेन अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकरसे हम बहौत खुसी चियै, अकर बात धियानसे सुन।”
तहै बखत सैतान ओकरलग आइबके कहल्कै, “साँचोके तु परमेस्वरके बेटा चिही त यि पथलसब रोटी भ्याजो कैहके आग्या कर।”
नाहमे रहल चेलासब ओकरा गोर लागैत कहल्कै, “साच्चे अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै।”
तब स्वरगसे एहेन एकटा अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकरसे हम बहौत खुसी चियै।”
बेबस्था जे करैले नै सक्लै, से परमेस्वर करल्कै, कथिलेकी अपनासबके पापी स्वभाबके कारनसे बेबस्था कमजोर भेलै। परमेस्वर अपनासबके पापसे छुटकरा करैके लेल आपनेसब जखा आपन बेटाके देहमे पठेल्कै आ उ खिरिस्टके देहके बलिदान कैरके अपनासबके पापके नास करल्कै।
तब बचन लोक बैनके अपनासबके बिचमे बास करल्कै आ अपनासब ओकर महिमा देखलियै, जे महिमा परमेस्वरसे आबैबला एक मातरे बेटामे छेलै। उ आपनौरके पुरा रुपसे अनुगरह करैछै आ सत बात मातरे बोलैछै।
अहाँ परमेस्वरके पठ्याल पबितर लोक चियै से बातमे हमसब बिस्बास करैचियै आ जानैचियै।”
कथिलेकी परमेस्वर सन्सारके लोकसबके एहेन परेम करल्कै कि उ आपन एकलौता बेटाके देल्कै। ओकर उपर बिस्बास करैबला नास नै हेतै, महज उ अनन्त जिबन पाबतै।
नथानेल जबाब देल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै! अहाँ त इजराएलके रजा चियै।”
हम यि सब देख्ने चियै आ गबाही दैचियै कि, ओह्या परमेस्वरके बेटा चियै।”
स्वरगदुत ओकरा जबाफ देल्कै, “पबितर आत्मा तोहर उपरमे एतौ आ महान परमेस्वरके सक्तिके छाह तोहरमे परतौ। तैल्याके जल्मैबला बच्चा पबितर हेतै आ उ परमेस्वरके बेटा कहाइतै।
परमेस्वर आपने निज बेटाके बचाके नै राखल्कै, महज ओकरा अपनेसबके लेल देल्कै त, कि उ अपनासबके जम्मे चिज ओकरसङे नै देतै से?
अरथात एहेन लोक जे युहन्नाके बप्तिस्मासे ल्याके येसु स्वरग उठ्याल गेल दिनतक अपनासबसङे छेलै। उ लोक हमरासब सङे-सङे ओकर जि उठैके साक्छी हेबेपरतै।”
येसु आपन सेबाके काम सुरु करैसे पैहने बप्तिस्मा दैबला युहन्ना एलै। उ सब इजराएलके सबलोकके आपन-आपन पाप माइनके बप्तिस्मा लेबे परतौ कैहके परचार करल्कै।