6 महज मानबके बेटाके पिरथिबीमे पाप छमा करैके अधिकार छै, से तुसब जान।” तकरबाद उ लकबा मारल लोकके कहल्कै, “उठ, तोहर बोरिया-बिस्तर बोक आ घर जो।”
आब कह त हम यि लोकके, ‘तोहर पाप छमा भेलौ’ कि ‘उइठके चल’ कहैमे कोन असान हेतौ?
जकरा तुसब छमा करबिही, तकरा हम्हु छमा करबै। यदि हम ककरो कोनो बिसयमे छमा करनेचियै त तोरेसबके हितके खातिर खिरिस्टके उपस्थितीमे छमा करनेचियै,
तुसब एक-दोसरके सहन कर, ककरो बिरोधमे मन दुखाइबला बातसब छौ त छमा कर। जनङ तोरासबके परभु छमा करनेछौ तैहनङ तुहुसब एक-दोसरके छमा करेपरतौ।
महज एक-दोसरके दया देखा। जनङ परमेस्वर तोरासबके खिरिस्टमे छमा करल्कौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके छमा कर।
ओहैसे हमसब खिरिस्टके राजदुतसब चियै आ परमेस्वर हमसबसे तोरासबके बिन्ती कैर रहलछौ। तुसब परमेस्वरसङे मेलमिलाप कर कैहके हमसब सेहो खिरिस्टके तरफसे तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
पतरुस ओकरा कहल्कै, “ऐ एनियास, येसु खिरिस्ट तोरा निक करतौ। उठ आ तोहर बिछान मिला।” तब उ तुरन्ते उइठके ठार भेलै।
इजराएलके लोकसबके पस्चातापके खातिर आ ओइसबके पापसे छमा दैके खातिर परमेस्वर येसुके परभु आ मुक्तीदाता बनाके आपन देहना कात बैठेल्कै।
कथिलेत अहाँ आपन बेटाके सब लोकसब उपर अधिकार देनेचियै, ताकि अहाँके देल सब लोकसबके अनन्त जिबन देबेसकी।
हम ओकरासबके अनन्त जिबन दैचियै, उसब कहियो नै नास हेतै आ कोइ नै ओकरासबके हमर हाथसे छिनके लजाबे सक्तै।
तब यहुदी धरमगुरुसब आ फरिसीसब आपनमे कहेलाग्लै, “परमेस्वरके निन्दा करैबला यि के चियै? पाप छमा करैले त परमेस्वर बाहेक औरो कोइ नै सक्तै!”
महज दुनियामे मानबके बेटाके पाप छमा करैके अधिकार छै से बात तुसब जान।” तब येसु लकबा मारल लोकके कहल्कै,
“यि लोक कथिले अनङ बोलैछै? यि त परमेस्वरके निन्दा करैछै? पाप छमा करैले त परमेस्वर बाहेक औरो कोइ नै सक्तै!”
तब येसु ओकरा कहल्कै, “देख, नरहियाके सोहैन छै आ चिरै-चुरगुनसबके खोता छै महज मानबके बेटाके त मुर राखैके ठामोतक नै छै।”
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
तब कुछ लोकसब झोलङामे बोइकके एकटा लकबा मारल लोकके येसु लग आनल्कै जे बिछोनासे उठे नै सकैछेलै। येसु ओइसबके बिस्बास देखके लकबा मारल लोकके कहल्कै, “बेटा, साहस कर। तोहर पाप छमा भेल छौ।”
तब उ उठलै आ आपन घर दिसन गेलै।
तकरबाद येसु ओकरा कहल्कै, “उठ आ आपन बिछौना बोइकके चल।”
आ ओकरा नियाइयो करैबला अधिकार देनेछै, कथिलेत उ मानबके बेटा चियै।