4 तब येसु ओकरा कहल्कै, “यि बात ककरो नै कहिहे! महज पुजारी लग ज्याके आपने आपके देखा आ मोसाके बेबस्था अनुसार लोकसबके निक भेल परमान देखाइके लेल भेटी चरहा।”
तब येसु ओकरासबके दिसन ताइकके कहल्कै, “जो, ज्याके पुजारी लग आपनेसे देखा।” तब उसब जाइते-जाइते परेम निक भ्यागेलै।
तब येसु ओइ लोकके कहल्कै, “यि बात तु ककरो नै कहिहे, महज ज्याके पुजारीके देखा तब मोसाके नियम अनुसार लोकसब निक भेलै परमान देखाइके लेल भेटी चरहा।”
येसु यि घटनाके बात ककरो नै कहिहे कैहके आग्या करल्कै महज जतेक मना करल्कै ततेक लोकसब परचार करैत गेलै।
अतहेक कहैत मातर ओकरौरके आँख खुइलगेलै। तब येसु एहेन कैहके ओइसबके करा आग्या दैत कहल्कै, “याद राख, यि बात ककरो नै कैहये।”
यदी कोनो ठाममे मान-दान नै हेतौ आ लोकसब तोरौरके बचन सुनैले इन्कार करतौ त ओइ ठामसे निकलैत खिना ओकरासबके बिरोधमे गबाहीके खातिर आपन टाङके गरदा झाइरदैहिये।”
तकरबाद येसु ओइसबके यि बात कोइ नै थाह पाबे कैहके करा आग्या देल्कै। तब यि छौरीके कुछो खाइले दहै ओइसबके कहल्कै।
पहाड़से निचा उतरैत बखत येसु ओइसबके आग्या दैत कहल्कै, “जाबेतक मानबके बेटा मैरके जिके नै उठतै ताबे तक जे बात तुसब देखलिही से बात तुसब ककरो नै कहिहे।”
हमर खातिर रजा आ सासकसबके अगामे तोरासबके ठार करतौ। तुसब ओकरासबके आ गैर-यहुदीसबके अगा हमर बारेमे गबाही देबही।
येसु चेलासबके कहैतगेलै, “होसियार रह, लोकसबके देखाबैलै धरम-करम तुसब नै कर। नै त स्वरगमे रहैबला पितासे तोरासबके कोनो इनाम नै भेटतौ।
“मोसाके देल्हा बेबस्था आ अगमबक्तासबके बात रद करैले हम एलचियौ से नै समझ। हम उ रद करैले नै महज पुरा करैले एलचियौ।
हम अपनेसे आपन आदर नै खोजैचियै, महज पिता परमेस्वर हमर आदर खोजैछै आ नियाय करैछै।
जे कोइ आपन मनसे बोलैछै, उ आपने महिमा ताकैछै, महज जे अपना पठाइबलाके आदर खोजैछै, उ सत लोक चियै आ ओइमे कोनो कपट नै रहैछै।
“हम लोकसबसे परसन्सा नै चाहैचियै,
महज हमर बारेमे तोरासबके लेल यि एकटा गबाही दैके मौका हेतौ।
तब येसु उसबके यि बात ककरो नै कहिहे से आग्या देल्कै।
तकरबाद येसु आपन चेलासबके करा आग्या दैत कहल्कै, “यि बात ककरो नै कहिहे, कि उ मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै।”
तब येसु युहन्नाके कहल्कै, “अखुन अहिनङे हेबे दियौ। कथिलेत अपनासबके खातिर एह्या उचित छै जे अहिनङे सब धारमिकताके पुरा करे परतै।” तब युहन्ना ओकर बात मानैले राजी भेलै।
“आपन बारेमे तुसब होसियार रह! कथिलेत उसब तोरासबके अड्डा खनामे लजेतौ, यहुदी सभाघरसबमे लज्याके पिटतौ। हमर नामके खातिर तोरासबके सासकसब आ रजासबके अगामे हमर गबाही दैले खरा हेब्ही।
महज हम के चियै से लोकसबके नै कहैले दुस्ट आत्मासबके करा आग्या देल्कै।
तकरबाद उसब पहारसे निचा सैर जगहमे आबे बखत येसु ओकरासबके आग्या करल्कै, “मानबके बेटा जाबेतक मरलसे जिके नै उठतौ ताबेतक यि देखल बात ककरो नै कहिहे।”
बहुत लोकसबके देहसे भुतसब चिच्याइते ऐहेन कैहके निकल्लै, “अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै!” महज येसु खिस्याके भुतसबके बोले नै देल्कै कथिलेत मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके चिन्हैछेलै।
ओकर माँ बाबु छक्के परलै। महज येसु ओकरासबके कहल्कै, “यि बात ककरो नै कहियै कैहके आग्या करल्कै।”
तब येसु ओकरासबके “यि बात ककरो नै कहियै” कैहके करा आग्या देल्कै।