16 जब साँझ परलै तब लोकसब बहौत भुत आत्मा लागल लोकसबके येसु लग आनल्कै। येसु आपन बचनसे भुत आत्मासबके निकालल्कै आ बहुतो किसिमके रोगी-बिमारीसबके निक करल्कै।
रौद डुब्लाके बाद बहुत किसिमके रोगीसबके येसु लग आनल्कै। येसु ओकरासबके उपरमे हाथ राखल्कै आ सब रोगीसबके निक करल्कै।
येसु जब नाहसे उतरलै तब लोकसबके बरका भिरके देखल्कै। भिरके देखैत मातर ओइलोकसब उपर दया लाइगगेलै आ ओइसबके बिचमे रहल रोगी-बिमारीसबके निक कैरदेल्कै।
परेरितसबके अच्चमके काम देखके लोकसब बिमारसबके रस्तामे पटिया आ खटियामे राखल्कै आ पतरुस ओतेसे आबैतखिना ओकर छाह रोगी-बिमारीसब उपर परे आ ठिक हेबे कैहके सुताके राखने रहैत रहै।
यि लोक एहेन बात कहल्कै, कथिलेत येसु ओकरा कहने रहै, “ए असुध आत्मा, ओइ लोकसे निकैल जो।”
तब लोकसब एकटा भुत आत्मा लागल आन्हर आ बौक लोकके येसु लग आनल्कै। येसु ओकरा निक करल्कै तब उ लोक बोले आ देखे लाग्लै।
ओह्या बखत चारटा लोक एक गोरे लकबा मारल लोकके लके ओकरलग एलै।
तब कुछ लोकसब झोलङामे बोइकके एकटा लकबा मारल लोकके येसु लग आनल्कै जे बिछोनासे उठे नै सकैछेलै। येसु ओइसबके बिस्बास देखके लकबा मारल लोकके कहल्कै, “बेटा, साहस कर। तोहर पाप छमा भेल छौ।”
जब भिरके येसु आपन दिसन आबैत देखल्कै तब ओइ भुत आत्माके कहल्कै, “ए बौक आ बैहर करैबला आत्मा, हम तोरा आग्या करैचियौ ओकरसे निकैलके चैल जो आ फेनो ओकरमे कहियो नै ढुक।”
तब सुगर चरबाहासब भाग्लै आ यि सब बात सहरमे ज्याके सुन्या देल्कै। उ दुइ भुत लागल लोकसबके कथी भेलै सेहो सुन्यादेल्कै।
येसु ओकर हाथ छुबल्कै आ जर बोखार ओकरा छोइरदेल्कै। तब उ उइठके ओकरा सेबा-सत्कार करल्कै।
बहुत लोकसबके देहसे भुतसब चिच्याइते ऐहेन कैहके निकल्लै, “अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै!” महज येसु खिस्याके भुतसबके बोले नै देल्कै कथिलेत मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके चिन्हैछेलै।
येसु ओकरा देखल्कै आ बोलाके कहल्कै, “हे जनि, आब तु आपन कमजोरीसे छुटकारा पाबलिही।”