2 कथिलेत जहिनङ तुसब दोसरके दोसी ठहरेब्ही तहिना तुहुसब दोसी ठहर्याल जेब्ही। जै नापजोखसे तुसब दोसरके देबही ओहै नापजोखसे तुहुसब पाबबिही।
कथिलेकी जे लोक किरपा नै करैछै ओकर नियाय किरपे बिनाके हैछै। किरपा नियायके उपर बिजय हैछै।
तब येसु फेनो ओइसबके कहल्कै, “तुसब जे सुनैचिही, तैमे धियान दहै। कथिलेत जतहेक धियान द्याके सुनबिही ततहेक तुसब बेसीसे बुझेसकबिही आ तुसब औरो बेसीसे बुझेबला सक्ती पाबबिही।
दोसरके देबही त परमेस्वर तोरोसबके देतौ। परमेस्वर त हिल्याके, दाइबके आ उटुङ टुटुङ कैरके हर्या ढर्याके देतौ। कथिलेत जै नाइपजोखके देबही ओहै नाइपजोखसे फिरता पाबबिही।”
उ महानगरी तोरासबके जहिनङे कराइने छेलौ, ओकरो ओहिनङे कर। उ तोरासबके लेल जनङ काम करने छेलौ, ओकर दोबर फिरता कैरदहै। उ तोरासबके लेल बाटीमे जतहेक मध भरनेछेलै, ओकरसे दोबर करा मध ओकरा दहै।
महज यि बातके मनमे राख कि, “जे कम बिया छिटैछै उ कमे कटनी करतै, महज जे बेसिसे छिटैछै उ बेसिएसे कटनी करतै।”
“यदि तुसब लोकसबके अपराध छमा करबिही त स्वरगमे रहैबला पिता ओहो तोरोसबके अपराध छमा करतौ।