7 येसु ओकरा कहल्कै, “लिखल छै, ‘तु परमपरभु आपन परमेस्वरके जाँच नै कर।’”
अपनासब खिरिस्टके परिक्छा नै करैके चाही, जनङ ओइसबमेसे कतहेक गोरे करल्कै आ साँपसब धैरके मरलै।
ओते तोरासबके पुरखासब चालिस बरिसतक हमर करल काम देखल्कै, तैयो उसब हमर बिरोध करल्कै आ हमरा जाँचल्कै।
पतरुस फेनो ओकरा कहल्कै, “तुसब दुनुगोरा कनङ परभुके आत्माके जाँचै खातिर एकमत भेल्ही? देख, तोहर घरबलाके गारैबलासब देहरिएमे छौ आ ओहोसब तोरो बोइकके बाहर ल्याजेतौ।”
तब येसु जबाब देल्कै, “लिखल छै, ‘लोक रोटिएटासे जिबित नै रहैछै, महज परमेस्वरके मुहसे निकलल सब बचनसे जिबित रहैछै।’”
तब येसु फेनो ओकरा जबाब देल्कै, “ऐ सैतान, तु हमर नजरसे दुर भ्याजो! कथिलेत लिखल छै, ‘तु परमपरभु आपन परमेस्वरके गोर लाग आ ओकरेटा सेबा कर।’”
तब येसु उसबके कहल्कै, “कि तुसब पबितर धरमसास्तर नै पढनेचिही? ‘जै पथलके घर बनाइबला मिसतिरीसब छाइट देल्कै, सेह्या जगके मुल खम्हा बन्लै, यि काम परमेस्वर करने छै आ अपनासबके नजरमे आस्चरजके बात छै।’
तब उसब येसुके कहल्कै, “कि अहाँ सुनैचियै, बच्चासब कथी कैहरहल छै?” येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “हँ, हम सुनैचियै। कि तुसब पबितर धरमसास्तरमे लिखल बात नै पढनेचिही? ‘बच्चासब आ दुधपिया बच्चासबके मुहसे अहाँके परसन्सा कराइले लगाइनेचियै?’”
तब येसु ओकरा कहल्कै, “पबितर धरमसास्तरमे येहन लिखल छै, ‘तु आपन परमपरभु आपन परमेस्वरके जाँच नै कर।’”
तहै खातिर बिस्बासीके कन्हामे यि जुवा राइखके कथिले परमेस्वरके परिक्छा करैचिही? यि जुवा नै त अपनासबके पिता-पुरखा नै त आपनेसब बोके सक्लियै।