1 ओहै बखत बप्तिस्मा दैबला युहन्ना यहुदियाके उजार जगहमे एलै आ एहेन कहैत परचार करे लाग्लै,
हे हमर बेटा, तु सरबोच परमेस्वरके अगमबक्ता कहाइबिही। कथिलेत तु परभुके अगा-अगा ओकर रस्ता बनाइले जेब्ही।
“हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, बप्तिस्मा दैबला युहन्नासे बरका कोइ नै कहियो जलम लेनेछै, तैयो स्वरगके राजमे जे सबसे छोट छै, से कोइ युहन्नासे बरका छै।
उ एहेन कैहके परचार करल्कै, “आब समय आइबगेल छौ आ परमेस्वरके राज नजदिक एल छौ। तै खातिर आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताप कर आ सुसमाचारमे बिस्बास कर।”
उसब जबाफदैत कहल्कै, “कोइ बप्तिस्मा दैबला युहन्ना कहैछै, कोइ एलिया त कोइ यरमिया या अगमबक्तासबमेसे एक गोरे चियै कहैके कहैछै।”
अरथात एहेन लोक जे युहन्नाके बप्तिस्मासे ल्याके येसु स्वरग उठ्याल गेल दिनतक अपनासबसङे छेलै। उ लोक हमरासब सङे-सङे ओकर जि उठैके साक्छी हेबेपरतै।”
जब युहन्नाके चेलासब घुइमके एलाकेबाद, येसु भिरके युहन्नाके बारेमे कहेलाग्लै, “तुसब उजार जगहमे कथी देखे गेल्छेली? कि हबासे हिलैबला नरकटके?
तब बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके चेलासब गेलाकेबाद येसु भिरके लोकसबके युहन्नाके बारेमे कहल्कै, “तुसब उजार जगहमे कथी देखे गेल छेल्ही? कि हबामे हिलैत नरकट के?
तुसब आपन आपन पाप माइनके पस्चाताप करनेचिही त, असल बेबहार कैरके देखा।
कथिलेत युहन्ना धारमिकताके रस्ता देखाबैत तोरासबलग एलौ, महज तुसब ओकरा बिस्बास नै करलिही। बरु बटी उठाइबलासब आ बेस्यासब ओकर उपर बिस्बास करल्कै। यि सब देखियोके तुसब आपन पाप सुइकार नै करलिही आ ओकरमे बिस्बास नै करलिही।”
यसैया अगमबक्ताके किताबमे एहेन लिखल छै, “देख, हम आपन दुतके तोहर अगा-अगा पठाइबौ, जे तोहर लेल रस्ता तयार करतौ।”