4 उसब धरम-करमके बहौत भारी लोकसबके बोकाबैछै, महज अपने उ भारी बोकैके त दुरके बात अंङरीयो तक नै बरहाइछै।
येसु जबाब देल्कै, “तु धरमगुरुवोसबके धिक्कार! कथिलेत बोकैयोसे बेसी भारी लोकसबके उपर तुसब लाध्हैचिही, महज तुसब आपन एकटा औङरीयो के दुख नै दैले चाहैचिही।
तहै खातिर बिस्बासीके कन्हामे यि जुवा राइखके कथिले परमेस्वरके परिक्छा करैचिही? यि जुवा नै त अपनासबके पिता-पुरखा नै त आपनेसब बोके सक्लियै।
कथिलेत खतना करैबलासब आपने बेबस्था पालन नै करैछै। उसब तोरासबके खतना कराबैले चाहैछौ, जैसे तोरासबके देहमे यी बेबस्थाके पालन कराके घमन्ड करैले सके।
“महज तु धरमगुरुसब आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब पुदिना, सोप आ जिराके दसांस त चरहाइचिही, महज बेबस्थामे रहल गहनगर बातसब नियाय, दया आ बिस्बास योग्य जखा बहौत असल बातसबके कुछो मतलब नै राखैचिही। महज करैके एहो छेलौ कि तुसब बेबस्थामे रहल बातसबके माने परतियौ।
महज एहेन खराब सिक्छामे नै लागल आ सैतानके भितरी रहसके बात नै मानैबला थिआटिरामे भेल औरो लोकके कहैचियौ कि, हम तोरासबके औरो कोनो भारी आग्या नै देबौ।
पबितर आत्मा आ हमरासबके यि उचित लाग्लै कि पालन करैबला मुख बातके अलाबा औरो कोनो बोझ नै हेबे।
ओहैसे तुसब ओइसबके कहल सब बात करिहे। महज उसब जे करैछै से तुसब नै करिहे, कथिलेकी उसब दोसरके त सिखाइछै महज आपने ओइ अनुसार नै चलैछै।
परमेस्वरसे परेम करनाइके मतलब ओकर आग्यासबके पालन करनाइ चियै। ओकर आग्यासब हमरासबके लेल भैरगर नै छै।