11 अगा-पछा चलैबला भिरके लोकसब ओइसबके जबाफ देल्कै, “यि त गालिल परदेसके नासरतसे एल अगमबक्ता येसु चियै।”
तब उ लोकसब येसुके करल अजगुतके काम देखके कहेलाग्लै, “अपनासबके आस करल सन्सारमे आबैबला अगमबक्ता साँचोके एह्या चियै।”
जब भिरके लोकसब येसुके यि बात सुनल्कै तब कुछ लोकसब कहल्कै, “साँचोके यि लोक त आबैबला अगमबक्ता चियै।”
तब सबकोइ डेरागेलै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत कहल्कै, “अपनासबके बिचमे एकटा बहुत बरका अगमबक्ता एलछै। परमेस्वर आपन लोकसबके बचाइले एलछै।”
यि ओह्या मोसा चियै, जे इजराएलीसबके कहने रहै, ‘परमेस्वर हमरा तोरे सबके खातिर हमर जखा अगमबक्ता पठाइतौ।’
तब फरिसीसब ओइ अन्हर लोकके एकबेर फेनो पुछल्कै, “जे लोक तोहर आँख खोइल देल्कौ, तु ओकर बारेमे कथी कहैचिही?” उ जबाब देल्कै, “उ त अगमबक्ता चियै।”
ओतेसे उ नासरत नामके सहरमे रहेलाग्लै। अहिनङे परमेस्वरके अगमबक्तासबके कहल बात पुरा भेलै: “उ नासरी कहेतै।”
सामरी जनी कहल्कै, “मालिक, अहाँ अगमबक्ता चियै से बात आब हम जाइनगेलियै।
तब उसब ओकरा पुछल्कै, “कि तु एलिया चिही त?” युहन्ना जबाब देल्कै, “नै।” “तब कि तु अगमबक्ता चिही त?” उ जबाफ देल्कै, “नै।”
महज औरोसब कहैछेलै, “यि त एलिया अगमबक्ता चियै।” औरोसब कहै, “यि त परापुरब कालके एक अगमबक्तासब मेसे एक गोरे चियै।”
तब येसु ओइसबके पुछल्कै, “कोन घटनासब?” उसब जबाब देल्कै, “येसु नासरतके बारेमे, उ एक गोरा अगमबक्ता रहै। उ परमेस्वर आ लोकसबके सामने काम आ बचनमे सक्तिसाली रहै।
तब उसब युहन्नाके पुछल्कै, “यदी तु खिरिस्टो नै चिही, एलियो नै चिही आ कोनो अगमबक्तो नै चिही त, कथिले बप्तिस्मा दैचिही?”
महज आइ, बिहान आ परसु हम आपन रस्तामे अगा बरहे परतै कथिलेत यरुसलेमके बाहर कोनो अगमबक्तासबके मारैले नै हैछै।
येसुके नौता दैबला फरिसी यि देखके मनेमन कहेलाग्लै, “अगर येसु साच्चेके अगमबक्ता चियै त छुबैबाली जनिजाइत केहन पापी चियै से जाइनजेतियै।”
जब येसु यरुसलेममे परबेस करल्कै, तब पुरे नगरमे हलचल मचे लाग्लै। लोकसब पुछे लाग्लै, “यि के चियै?”
महज ‘लोकसबसे’ कहबै त, अपनासबके लोकसबसे डर छै। कथिलेत सबलोक युहन्नाके अगमबक्ता चियै कैहके मानैछै।”
तैखातिर उसब ओकरा पकरैले चाहल्कै, महज उसब लोकसबसे डराबै छेलै। कथिलेत लोकसब ओकरा एक अगमबक्ता चियै कैहके ठानैछेलै।