3 जब हेरोद रजा यि बात सुनल्कै, तब उ बेचैन भेलै आ ओइसबसङे पुरे यरुसलेमो बेचैन भेलै।
“ए यरुसलेमके लोकसब! तु अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वर तोरासबलग पठेल्हासबके पथलसे मारैचिही। जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे राखैछै, ओहिने हम बहुतो बेर तोहर बच्चासबके बचाइले चाहलियै, महज तु नै मानलिही।
उसब चिच्याके कहल्कै, “हे परमेस्वरके बेटा, हमरासबसे अहाँके कोन काम? कि समयसे पहिने अहाँ हमरासबके सताबैले एलचियै?”
उसब एकदम खिस्याल रहै, कथिलेत उ दुनुगोरा लोकसबके सिखाइछेलै आ घोसना करैछेलै कि येसु मुरदासे जिबित भ्याके उठाएल काम दुवारा औरो लोकसबसेहो मुरदासे जिबित भ्याके उठाएल जेतै।
आ उसब लोकसबसे पुछल्कै, “यहुदीसबके रजा भ्याके जलमल कते छै? हमसब ओकर जलमके थाह दैबला तरा पुरुबमे उगल देखलियै आ ओकरा दरसन करैले एलचियै।”
तब रजा हेरोद ओतेका मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसबके बोल्याके पुछल्कै कि “खिरिस्टके जलम कते भेलै?”
तुसब लराइ आ लराइके हल्लासब सुनबिही। महज उ समयमे तुसब नै घबराइहे, कथिलेत पहिने यि सब हेनाइ आबस्यक छै, महज अन्त तुरन्ते नै हेतौ।”
जब तुसब लराइ-झगरासबके हल्ला सुनबिही तब ओइ बखत नै डेरा। कथिलेत पहिने यि घटनासब हेबैये परतै महज अन्त तखुन्ते नै हेतौ।