8 येसु ओइसबके कहल्कै, “यि त तोरासबके कठोर मनके कारनसे मोसा आपन घरबालीके छोरपतर दैके अनुमति देनेछेलौ। महज सुरुमे त एहेन नै छेलै।
महज येसु उसबके कहल्कै “तोरासबके कठोर मन भेलाके खातिर यि आग्या देनेछेलौ।
हरेक लोक बियाह करैले परतै कहैबला बात हम नै कहैचियौ महज चाहेबला हरेक गोरा बियाह करैले सक्तै कैहके कहैचियौ।
तब भुतसब येसुके बिन्ती करैत कहल्कै, “अदी अहाँ हमरासबके निकालबे करबै त, बरु हमरासबके सुगरके जेरमे ढुकैके आग्या दिय।”
तब येसु युहन्नाके कहल्कै, “अखुन अहिनङे हेबे दियौ। कथिलेत अपनासबके खातिर एह्या उचित छै जे अहिनङे सब धारमिकताके पुरा करे परतै।” तब युहन्ना ओकर बात मानैले राजी भेलै।
तखैन फरिसीसब ओकरा पुछल्कै, “तब मोसा कथिले छोरपतरके नालिस लिखके आपन घरबालीके छोरैले हुकुम देल्कै त?”
हम तोरासबके कहैचियौ, जे आपन घरबालीके बेबिचारके बाहेक औरो कोनो कारनसे छोइरके दोसरसे बियाह करैछै त, उ लोक बेबिचार करैछै।”
अन्तमे जब एगारहो चेलासब बैठके खान-पिन करैतरहै तहै बखत येसु ओइसबके बिचमे परगट भेलै। उसबके अबिस्बास आ कठोर हिरदयके कारन येसु उसबके खिस्याइल्कै। कथिलेत उ मरके जिबित भ्याल ओकरा देखैबला सबके बातमे उसब बिस्बास नै करने रहै।