5 आ परमेस्वर फेनो कहल्कै, ‘तैखातिर लोक आपन माँ-बाबुके छोरैछै आ आपन घरबालीसङे मिलल रहैछै आ उ दुनु एके देह हैछै।’
घरबाली आपन देहमे अधिकार नै राखैछै, महज ओकर घरबला राखैछै। तहिनङे घरबला आपन देहमे अधिकार नै राखैछै, महज ओकर घरबाली राखैछै।
बेबिचारमे फसैबला अबस्था अनेक भेलाके कारन सब पुरुख लोकके आपन-आपन घरबाली हेबे आ सब जनिके आपन-आपन घरबला हेबे।
पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “अहैलेल लोक आपन बाप-महताइर छोइरके आपन घरबालीसङे एक हैछै आ उ दुनु मिलके एके देह हैछै।”
जे लोक बेस्यासङे जाइछै, उ लोक बेस्यासङे एके देह हैछै से बात कि तोरासबके थाह नै छौ? कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “उ दुनु एके देह हैछै।”
तोरासबके परेम देखाबटी नै महज सत हेबे। खराब काम छोइरके असल काममे लागल रह।
आबसे उसब दुइ नै, महज एके देह हैछै। तैखातिर जकरा परमेस्वर एकसाथ जोरने छै, तकरा कोनो लोक नै छुटाबे।”