1 छ दिनके बाद येसु आपनसङे पतरुस, याकुब आ ओकर भाइ युहन्नाके ल्याके उच्का पहारमे गेलै।
महज पतरुस आ जब्दियाके दुनु बेटाके येसु आपने सङे ल्यागेलै। उ बहुत दुखी आ ब्याकुल हैले लाग्लै।
तब येसु पतरुस, याकुब आ याकुबके भाइ युहन्ना बाहेक औरो ककरो आपनसङे आबैके अनुमति नै देल्कै।
जखैन हमसब ओकरसङे पबितर पहारमे छेलियै, तखैन स्वरगसे एल यि आबाज हमसब आपने कानसे सुन्ने छेलियै।
हम तेसर बेर तोरासबलग आइबरहल चियौ। पबितर धरमसास्तर अनुसार, “दुइ वा तिन साक्छीसबके कहल बातसे मातरे कोनो बात सत कैहके साबित हैछै।”
जब येसु याइरसके घरमे पुग्लै तब पतरुस, याकुब, युहन्ना आ धियापुताके माँ बाबुके सिबाय ककरो नै भितर ढुकैले देल्कै।
चेलासबके अगारीमे येसुके रुप बदैलगेलै। ओकर चेहरा सुरुज जखा चमके लाग्लै आ ओकर बस्तर उजर चमकदार भ्यागेलै।
तब येसु मन्दिरके ओइपार जैतुन पहारमे बैठल छेलै। ओइ बखत पतरुस, याकुब, युहन्ना आ अन्दरियास ओकरा असगरेमे पुछल्कै,
जब अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके सक्ती आ आगमनके बारेमे तोरासबके कहलियौ, से हमसब चलाकिसे तोरासबके कोनो बनोतरी बात-कथामे नै कहलियौ महज ओकर बरका महिमा हमसब आपने आँखसे देखने छेलियै।