8 येसु उसबके बात थाह पाइबके कहल्कै, “तोरासबके बिस्बास कते गेलौ? तोरासबसङे रोटी नै छौ कैहके कथिले आपसमे बातचित करैचिही?
जब परमेस्वर चौरीके घास, जे आइ छै काइलके आइगमे जराएल जेतै, तकरा अहिनङ सिङारैछै त, ए कमजोर बिस्बास करैबलासब कि तोरासबके औरो बेसीसे नै सिङगारतौ?
तब येसु तुरन्त आपन हाथ बरहाके पकैर लेल्कै आ कहल्कै, “हे बिस्बासमे कम भेल्हा, तु कथिले संखा करलिही?”
अन्तमे जब एगारहो चेलासब बैठके खान-पिन करैतरहै तहै बखत येसु ओइसबके बिचमे परगट भेलै। उसबके अबिस्बास आ कठोर हिरदयके कारन येसु उसबके खिस्याइल्कै। कथिलेत उ मरके जिबित भ्याल ओकरा देखैबला सबके बातमे उसब बिस्बास नै करने रहै।
महज येसु ओकरासबके कहल्कै, “कथिले तुसब डेराइचिही? तोरासबके बिस्बास कते गेलौ?” तब येसु उइठके अन्हर-बिहाइर आ तालके हप्केल्कै आ अन्हर-बिहाइर एकदम सान्त भ्यागेलै।
ओकर पछा लागैबला बेटा-बेटीसबके हम खतम करबै। तब सब मन्डलीसब थाह पाबतै कि हम वहे चियै जे सबके मन आ हिरदयके जाँच करैचियै। हम तोरासबके काम अनुसारके इनाम देबौ।
परमेस्वरके नजरसे सिरिस्टीके कोनो चिज नै छुपलछै। ओकर नजरके सामने सब बात खुल्ला आ परस्टछै। ओकरे अपनासबके करल कामके लेखा दैलेपरतै।
आब हमसब जाइन गेलियै, कि अहाँ सब बात जानैचियै। आब अहाँसे ककरो नै कोनो सबाल करे परतै। अहै कारन हमसब अहाँमे बिस्बास करैचियै, कि अहाँ परमेस्वरसे पठ्याल चियै।”
तब उसब एक-दोसरमे बात-चित करे लाग्लै, “अपनासब रोटी नै आन्लाके कारन येसु एहेन कैहरहल छै कि।”