2 “अहाँके चेलासब पिता-पुरखाके समयसे चलैत एल रितिरिबाज कथिले भङ करैये? कथिले उसब खाइसे पैहने आपन हाथो नै धोबैए?”
महज खाइसे पहिने हाथ नै धुवाइत देखके उ फरिसी छक परलै।
तखुन्ते येसुके कुछ चेलासब असुध हाथ, अरथात नै धुवाल हाथसे भोजन करैत उसब देखल्कै।
होसियार रह, कोइ नै तोरासबके दरसन सास्तर या लोकसबके छल कपटसे बातमे फसाबे। एहेन बातसब खिरिस्टसे नै महज लोकसबके परम्परा आ सन्सारके सिक्छासे एलछै।
तुसब जानैचिही कि परमेस्वर तोरासबके पिता-पुरखासे चलैत एल बेरथके चालचलनसे दाम तिरके तोरासबके छुटकरा देल्कौ। उ दाम सोना या चानी जखा नास हैबला चिज नै चियै।
तैल्याके फरिसीसब आ धरमगुरुसब येसुके पुछल्कै, “अहाँके चेलासब कथिले पिता-पुरखाके नियममे नै चलैए, उसब त खाइसे पैहने हाथो नै धुवाबैये?”
तब येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “तुसब आपन-आपन रितिरिबाज पालन करैके लेल कथिले परमेस्वरके आग्या भङ करैचिही?
हम आपन जातीमे आ आपन तुरियामे ओइसबसे अगा भ्याके यहुदी धरमके पालन करैछेलियै आ हमर पिता-पुरखाके परमपरासबमे एकदम जोसगर छेलियै।