8 महज कुछ बिचहन हलगर जमिनमे परलै आ बैरहके कोनो सय गुना, कोनो साठी गुना आ कोनो तिस गुना फल फरलै।
महज हलगर माटीमे परैबला उसब चियै, जे कोइ परमेस्वरके बचन सुनैछै आ आग्याकारी भ्याके मनेमे राखैछै आ दुख सहियोके बहौतरा फल फराइछै।”
महज असल जमिनमे परल बिचहन उ लोकसब जखा चियै, जे बचन सुनैछै, बुझैछै आ साँचोके फल फराइछै। उ छिटल बिचहनसे सय गुना, साइठ गुना आ तिस गुना फल फराइछै।”
जब तुसब बहुत फल फराइबिही त हमर पिताके महिमा परकट हेतै आ तुसब हमर असल चेला चिही से बात परमानित हेतौ।
परमेस्वरके महिमा आ परसन्साके लेल येसु खिरिस्टसे आबैबला धारमिकताके फलसे तुसब भरिभराउ हो।
हमर कहैले चाहैबला बात यि चियै कि हमरमे अरथात हमर पाप स्वभाबमे कोनो असल चिज बास नै करैछै, कथिलेत असल काम करैले हमर इक्छा हैतोपरभी यि करैले नै सकैचियै।
कुछ बिया काँटसबके झारमे परलै। काँटके झारसब बरहैत गेलै आ जलमल बियाके दाइब देल्कै।
महज कुछ बिया असल जमिनमे परलै, उ जलमैत आ बरहैत गेलै। कोनो तिस गुना, कोनो साइठ गुना आ कोनो सय गुना फल फरेल्कै।”
महज औरो लोकसब बिया छिटल उ असल जमिनसब जखा चियै, जे बचन सुनैछै, गरहन करैछै आ फल दैछै, तब कोनो तिस गुना, कोनो साइठ गुना आ कोनो सय गुना फल फराबैछै।”
कतहेकरा त हलगर माटीमे परलै आ बिचहन जलैमके सय गुना फल फरलै।” अतहेकरा कैहके येसु कहल्कै, “जकरसङे कान छौ से कोइ उ धियानसे सुइनके बुझ।”