10 ओते एकटा सुखलहा हाथबला लोक छेलै। तब फरिसीसब येसुके दोस लगाइके बिचारसे ओकरा पुछल्कै, “कि बिसरामके दिनमे बिमार लोकसबके निक करनाइ उचित छै?”
उ जनी पबितर बिसरामके दिनमे निक भेल देखके यहुदी सभाघरके सासक खिस्यागेलै। तब उ लोकसबके कहल्कै, “काम करैबला हप्ताके छ दिन छै! अइ खातिर छ दिनके भितर आइबके निक हो, महज पबितर बिसरामके दिनमे नै।”
कोनो-कोनो फरिसीसब कहल्कै, “यि लोक परमेस्वर दिसनसे नै एलछै, कथिलेत उ पबितर बिसराम दिनके पालन नै करैछै।” महज दोसर लोकसब कहेलाग्लै, “जे पापी हेतै, उ एहेन अचमके चेन्हासब कनङके देखाइले सक्तै?” अहै बातमे ओइसबके आपनमे मतभेद भ्यागेलै।
महज उसब येसुके जाचैले आ दोस लगाबैले कोनो गल्ती भेटतै कि कैहके एहेन कहने छेलै। महज येसु निहुकके भुइयामे औङरीसे लिखैले लाग्लै।
तैखातिर यहुदी अगुवासब निक भेल लोकके कहल्कै, “आइके त बिसरामके दिन चियौ, बेबस्था अनुसार तोरा बिछौना नै बोकैके चाही।”
आ ओकर मुहसे गलत बात निक्ले कैहके उसब पकरैके बहाना खोजे लाग्लै।
यि देखके फरिसीसब येसुके कहल्कै, “देखु, अहाँके चेलासब पबितर बिसराम दिनमे जे काम करैले उचित नै छै ओह्या काम करैए।”
ओते अन्हरा, नेङरा, लकबा मारल बहुतो लोकसब परल रहैछेलै। [उसब कोन बखत पोखैरके पानी हिलाइतै तै आसमे असियाल रहैछेलै।
उसब येसुके दोस लगाइत कहल्कै, “यि लोक आपनौरके रास्टके लोकसबके बहक्या रहल हमरासबके भेटलै। यि रोमी सरकारके बटी नै दहै आ उ आपनके हम खिरिस्ट आ रजा कहैछै।”
तब पिलातस ओइसबके कहल्कै, “तोरौरके यि लोक जनतासबके भरकाइछै से कैहके अकरा हमर अगामे आनलिही। तोरेऔरके सामनेमे अकरा केरकार करलियै महज तोरौरके अकर उपरमे लगेल्हा कोनो दोस नै देखलीयै।
आब हमरासबके कहु, हमसब यहुदीके नियम अनुसार रोमी सरकार कैसरके कर तिरबै से उचित छै, कि नै?”
तब कुछ फरिसीसब आइबके येसुके ओकरे बातमे फसाइले पुछल्कै, “कि कोनो लोक बिना कारन आपन घरबालीके छोरपतर देनाइ उचित छै?”
कतौ उ बिसरामके दिनमे ओकर सुखलहा हाथ निक करतै कि कैहके ओकरा दोस लगाइबला फरिसीसब नजर पसारने रहै।
यदि मोसाके देल बेबस्था भङ नै हेबे कैहके बिसरामके दिनमे खतना करैचिही त हम बिसरामके दिनमे एकटा लोकके निक करलियौ त कथिले तुसब हमरसे खिस्याइचिही?