11 “हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, बप्तिस्मा दैबला युहन्नासे बरका कोइ नै कहियो जलम लेनेछै, तैयो स्वरगके राजमे जे सबसे छोट छै, से कोइ युहन्नासे बरका छै।
“हम तोरासबके कहैचियौ, अखुनतक कोइ नै जलमलछै जे युहन्नासे बरका छै। तैयो जे परमेस्वरके राजमे सबसे छोट छै, उ युहन्नासे बहुत बरका छै।”
खिरिस्टके पबितर जनसबमेसे हम सबसे तुच्छ चियै तैयो खिरिस्टके महान सम्पतीके सुसमाचार गैर-यहुदीसबके सुनाइबला बरदान परमेस्वर हमरा देल्कै।
युहन्ना ओकरे बारेमे गबाही दैत जोरसे कहल्कै, “हमरसे पछा आबैबला हमरसे बहौत महान छै, कथिलेत उ हम जलमैसे पैहनैयेसे छेलै। यि ओह्या लोक चियै, जकर बारेमे सब बात हम कहने छेलियौ।”
अहै कारन आग्यासबमेसे सबसे छोट आग्याके नै मान्तै आ लोकसबके ओहिनङ करैले सिखाइतै, से स्वरगके राजमे सबसे छोट कहाइतै। महज जे उ आग्यासब पालन करतै आ सिखाइतै, स्वरगके राजमे उ बरका कहाइतै।
“हम पस्चातापके खातिर तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा देबौ, महज हमरसे पाछे जे आबैबला छै, उ हमरोसे सक्तिसाली छै, जकर हम जुतो बोकैके जोकर नै चियै। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ।
आ चेलासबके कहल्कै, “जे कोइ हमर नामसे अइ बालकके सुइकार करतै, उ हमरा सुइकारतै, जे हमरा सुइकार करतै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। कथिलेत जे कोइ सबसे छोट छै, ओहे सबसे बरका हेतै।”
तोरासबके मिलल यि मुक्तीके बारेमे अगमबक्तासब बहौत निकसे खोज-तलास करने रहौ। परमेस्वर तोरासबके दैबला अनुगरहके बारेमे पहिनेसे अगमबानी करने छेलौ।
कथिलेत परमेस्वर अपनासबके लेल अहौसे उतम चिजके योजना करने छेलै। अपनासबसङे उसब सेहो सिद्व हेबे कैहके ओकर इक्छा छेलै।
हम परेरितसबमेसे सबसे तुच्छ चियै। हम परेरित कहैके योग्यके नै चियै कथिलेत हम परमेस्वरके मन्डलीके सताइने चियै।
यदि तोरासबमे एहेन झगरासब छौ त, तुसब कथिले बिस्बास नै करैबला लग जाइचिही? जैसबके मन्डलीमे कोनो मोलके नै ठानैछै?
ओइ बखत बहुतो लोक ओकरलग एलै। उसब कहल्कै, “युहन्ना कोनो अजगुतके काम नै करल्कै महज युहन्ना येसुके बारेमे जे कुछ कहने छेलै उ सब बात सत छेलै।”
उ बढते जाइत रहे, महज हम घटते जाइत रही।”
युहन्ना त बरैबला आ चम्कैबला चिरखा छेलै आ कुछ समयतलिक ओइके इजोतमे आनन्द मनाइले राजी भेल्ही।
हमरसे पछा आबैबला ओह्या चियौ। जकर हम जुताके फितो तक खोलैके जोकर नै चियै।”
येसु यि बात पबितर आत्माके बारेमे कहने छेलै, जे पबितर आत्मा ओकरमे बिस्बास करैबलासब पाबैले लागलछेलै। ओइ बखत तक परमेस्वर पबितर आत्माके नै पठेने छेलै, कथिलेत येसु आपन स्वरगके महिमामे घुइमके नै गेलछेलै।
अपनोसब एक समयमे ओहैसब जखा आपन देहके आ मनके इक्छा पुरा करैमे लागल छेलियै आ औरो लोकसब जखा अपनोसब परमेस्वरके दन्ड पाबैबला छेलियै।
जे अनुगरह आब हमरासबके मुक्तीदाता येसु खिरिस्ट एलासे परकट भेल छै। परभु येसु मिरतुके नास कैरके सुसमाचारमे अजर-अमर जिबन परकट करने छै।
कथिलेत परभुके नजरमे उ महान हेतै। उ कहियो नै अङगुरके मध आ दोसर कोनो निसाबला चिज छुबतै। उ जलमैसे पहिने पबितर आत्मासे भरल रहतै।
ओहै बखत बप्तिस्मा दैबला युहन्ना यहुदियाके उजार जगहमे एलै आ एहेन कहैत परचार करे लाग्लै,
यि ओह्या चियै जकर बारेमे पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, ‘देख, हम आपन दुतके तोहर अगा-अगा पठाइबौ जे तोहर खातिर रस्ता तयार करतौ।’
बप्तिस्मा दैबला युहन्नेके बखतसे अखुनतक स्वरगके राज जोर-तोरसे अगा बैढ़ रहल छै, तब जबरदस्ती करैबला लोकसब स्वरगके राजके बिरोध कैररहलछै।