60 येसु ओकरा कहल्कै, “मुरदासबके आपनेसे मुरदा गारैले दहै, महज तोहे ज्याके परमेस्वरके राजके बारेमे परचार कर।”
महज जै मसोमातनी भोग-बिलासके जिबन बिताबैछै उ जिते रहतै तैयो मरल जखा चियै।
“सारडिसके मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि बात लिख: ‘जरकसङे सातटा तरा आ परमेस्वरके सातटा आत्माछै, उ अनङ कहैछै। तोहर काम हमरा थाहछै, तुसब आत्मामे जिबित चिही कैहके नाम त चललछौ, महज बास्तममे तुसब आत्मामे कमजोर भ्याके मरल चिही।
महज तु हर परिस्थितीमे सचेत रह, दुख उठा, सुसमाचार सुनाइबला काममे लागल रह आ आपन सेबाके काम-काज पुरा कर।
परमेस्वरके बचन सुना। बेलोमे कुबेलोमे सुसमाचार सुनाइले नै छोर। पुरा-पुरी धिरजसे लोकसबके सम्झा, चेताबनी दहै आ असल सिक्छासे हिम्मत बरहा।
महज अपनासबके खुसी हेबैये परतै, कथिलेत तोहर यि भाइ मरल जखा छेलौ, जियल छौ, हर्याल छेलौ, भेटलौ।’”
अपनासब अटेर कैरके आत्मिक तबरसे मरल छेलियै तैयो परमेस्वर खिरिस्टसङे अपनासबके जिबित करल्कौ। तुसब परमेस्वरेके अनुगरहसे बच्याल गेलचिही।
तुसब बिस्बास करैसे पहिने अटेरीपन आ पापके कारन आत्मिक रुपमे मरल छेल्ही।
यदि हम सुसमाचार परचार करैचियै त ओइमे घमन्ड करैबला कोनो कारन नै छै, कथिलेत यि काम हमरा करैयै परतै। हम सुसमाचार परचार नै करबै त हमरा धिक्कार छै।
येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै, स्वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्कै।
महज येसु ओकरा कहल्कै, “हमर पछा लाग, मुरदासबके ओकर आपन मुरदासबके गारैले दहै।”
कथिलेत यि हमर बेटा मरल छेलै, फेनो जियल छै, हराएल छेलै आ भेटलै।’ तब सबकोइ भोजमे खुसी मनाइले लाग्लै।