50 महज येसु ओकरा कहल्कै, “अकरा नै रोक। कथिलेत जे तोहर बिरोधमे नै छौ, उ तोहर पक्छमे हेतौ।”
जे लोक हमर पक्छमे नै छै, उ हमर बिरोधमे छै। जे हमरसङे नै बिछछै, उ लोक छिरियाइछै।
“जे लोक हमर साथमे नै छै, उ हमर बिरोधमे छै। जे हमरसङे नै बिछछै, उ छिरियाइछै।
तैखातिर हम तोरासबके यि बात बुझ कैहके चाहैचियौ, कि परमेस्वरके आत्माके अगुवाइमे चलैबला कोइ नै “येसु सरापित हेबे” कहतै आ पबितर आत्माके अगुवाइसे मातरे कोनो लोक “येसुवे परभु चियै” कैहके आपन मुहसे सुइकार करैले सक्तै।
“कोनो नोकर दुइटा मालिकके सेबा-टहल नै करे सकैछै, कथिलेत उ एकटाके घिरना करैछै त, दोसरके परेम करैछै, या त उ एकटाके आदर करैछै त दोसरके तुच्छ ठानैछै। तुसब परमेस्वर आ धन दुनुके सेबा करैले नै सकबिही।”
साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, हमर नाममे जे कोइ तोरासबके खिरिस्टके लोक चियै से कैहके एक लोटा पानी पियैले देतौ, उ अबस्ले इनाम पाबतै।”
तब पतरुस कहल्कै, “औरो लोकसबसे।” येसु ओकरा कहल्कै, “अकर मतलब ओकर आपन बेटासब छुट पाबल्कै।
जब येसु आ ओकर चेलासब कफरनहुम सहरमे पहुचलै तब बटी उठाइबलासब एलै आ पतरुसके पुछल्कै, “कि तोरासबके गुरु जी मन्दिरके बटी नै तिरैछौ?”
तब युहन्ना येसुके कहल्कै, “गुरु जी, एकटा लोक अहाँके नाममे भुत निकालैत देखलियै। हमसब ओकरा रोकैके कोसिसो करलियै, महज उ हमरासबसङे अहाँके कहल नै मानैछै।”