48 आ चेलासबके कहल्कै, “जे कोइ हमर नामसे अइ बालकके सुइकार करतै, उ हमरा सुइकारतै, जे हमरा सुइकार करतै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। कथिलेत जे कोइ सबसे छोट छै, ओहे सबसे बरका हेतै।”
कथिलेत जे अपनाके बरका सोचैछै उसबसे निच हेतै आ जे अपनाके निच सोचैछै उसबसे बरका हेतै।”
तैदुवारे नम्र भ्याके सक्तिसाली परमेस्वरके अधिनमे रह आ उ तोरासबके ठिक समयमे सम्मानित करतौ।
महज तोरासबमे एहेन नै हेबे। तोरासबमेसे जे सबसे बरका छौ, से कोइ सबसे छोट बने आ जे कोइ अगुवाइपनि करैछै, सेकोइ नोकर नहाइत सेबा करे।
साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जे हमर पठेल्हा लोकके सुइकार करैछै, उ हमरा सुइकार करैछै आ जे हमरा सुइकार करैछै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करैछै।”
“जे तोरासबके बातसब मान्तौ, उ हमरो बातसब मान्तै आ जे तोरासबके इन्कार करतौ, उ हमरो इन्कार करतै आ जे हमरा इन्कार करतै, उ हमरा पठाइबलाके इन्कार करतै।”
जे जित्तै, हम ओकरा हमर सिंहासनमे हमरसङे बैठैले हक देबै, जनङ हम जितलियै आ आपन पितासङे ओकर सिंहासनमे बैठल चियै।’
अहैलेल यि सिक्छाके इन्कार करैबला लोकके नै, महज परमेस्वरके इन्कार करैछै, जे परमेस्वर आपन पबितर आत्मा तोरासबके देने छौ।
हमरा परेम करैबला उ चियै जे हमर आग्या सुइकार करैछै आ ओकर पालन करैछै। जे हमरा परेम करतै ओकरा हमर पितो परेम करतै। हम्हु ओकरा परेम करबै आ ओकरमे हम आपनके परगट करबै।”
तब तुसब हमर राजमे हमरे सङे-सङे खेबही, पिब्ही आ इजराएलके बारहो कुलके नियाइ करैले राज गद्दीमे बैठबिही।”
“हम तोरासबके कहैचियौ, अखुनतक कोइ नै जलमलछै जे युहन्नासे बरका छै। तैयो जे परमेस्वरके राजमे सबसे छोट छै, उ युहन्नासे बहुत बरका छै।”
“जे कोइ एहेन यि छोट बच्चाके हमर नाममे सुइकार करतै, उ हमरा सुइकार करतै आ जे कोइ हमरा सुइकार करतै, उ हमरा मातरे नै महज हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै।”
तब परभु ओइसबके जबाफ देतै ‘साच्चेके हम तोरासबके कहैचियौ, जे कुछो हमर यि छोट भाइसबके लेल नै करलिही, से हमरो लेल नै करलिही।’
तैपर रजा ओइसबके जबाफ देतै, ‘साँचे हम तोरासबके कहैचियौ कि, जे कुछो तुसब यि भाइसबमेसे सबसे छोटके लेल करलिही, उ हमरे करलिही।’
येसु उसबके कहल्कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, नया सिरिस्टीमे जहिया मानबके पुतर आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै, तहिया तुहुसब बारह सिंहासनमे बैठबही आ इजराएलके बारह कुलके नियाइ करबिही।
तहिनङे स्वरगमे रहैबला तोरासबके पिताके इक्छा एह्या छै कि, यि छोट बच्चासबमेसे कोइ नै हेराबे।”
“होसियार रह, यि छोट बच्चासबमेसे ककरो तुसब निच नै समझ। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, उसबके देखभाल करैबला स्वरगदुतसब स्वरगमे रहैबला हमर पिताके अगामे रहैछै।
ओइ सहरके देबालके बारहटा जग छेलै आ ओइमे थुमाके बारह परेरितसबके नाम लिखल छेलै।