22 येसु ओकरासबके कहल्कै, “हम मानबके बेटाके बहुत दुख काटैले परतै आ उ अगुवा, मुल पुजारीसब, धरमगुरुसबसे इन्कार हेतै, मारल जेतै आ तेसर दिनमे मरके जि उठतै।”
‘मानबके बेटा पापी लोकसबके हाथमे परतौ, कुरूसमे लटक्याल जेतौ आ तेसर दिनमे जिबित भ्याके उठतौ’ कि तोरासबके याद नै छौ?”
आब “ध्यानसे सुन, हम तोरासबके कथी कहैचियौ, मानबके बेटा लोकसबके हाथमे पकरल जेतौ।”
ओकरासबके भितरमे रहल खिरिस्टके आत्मा खिरिस्टके दुख भोगेपरतै आ पछा आबैबला महिमाके बारेमे पहिनेसे भबिसबानी करने रहै। तब उ समय कहिया आ कनङके एतै कैहके उसब खोज-तलास करने छेलै।
कथिलेत येसु आपन चेलासबके सिक्छा दैत कहल्कै, “मानबके बेटा लोकसबके हाथमे पकरल जेतौ, उसब ओकरा मारतौ आ तेसर दिनमे उ फेनो जिके उठतौ।”
तब येसु आपन चेलासबके एहेन सिक्छा दैले लाग्लै, “मानब बेटाके बहुत दुख भोगैले परतै आ उ अगुवासबसे, मुल पुजारीसबसे आ धरमगुरुसबसे इन्कार हेतै, मारल जेतै आ तेसर दिनमे फेनो जिके उठतै।”
देख, हम तोरासबके कहैचियौ, एलिया त आइबगेल छै, महज लोकसब ओकरा नै चिन्हल्कै, ओइसबके जे मन लाग्लै ओहे करल्कै। अहिनङे मानबो-पुतरके ओइसबके हाथे दुख भोगे परतै।”
उ गारलगेलै आ पबितर धरमसास्तर अनुसार तेसर दिनमे परमेस्वर ओकरा फेरसे जिबित करल्कै।
कि खिरिस्टके यि सब दुख काइटके आपन महिमाके खातिर जाइसे पहिने जरुरी नै छेलै त?”
जब येसु आ ओकर चेलासब गालिलमे जम्मा भेलै तब येसु ओइसबके कहल्कै, “आब मानबके बेटा लोकसबके हाथमे सौपल जेतै।
“हौ सरकार! हमरासबके याद छै जे उ ठक आदमी जिबित भ्याल बखत ‘हम तिन दिनके बाद फेनो जिबित भ्याके उठबै’ कहने छेलै।
महज ओइसे पहिने ओकरा बहुत दुख सहे परतै आ अइ पुस्ताके लोकसबसे ओकरा बहिस्कार हेबेपरतै।
आ कहल्कै, “तोरासबसङे रहैतकाल हमर बोलल्हा बचन एहा चियै, अरथात मोसाके बेबस्था, अगमबक्ताके किताबसब आ भजनसङगरहके किताबमे हमर बारेमे लिखलाहा सबबातसब पुरा हैए परतै।”