19 उसब जबाफ देल्कै, “कोइ बप्तिस्मा दैबला युहन्ना कहैछै, कोइ एलिया आ कोइ पहिन्का कोनो अगमबक्तासब मेसे एक गोरे जिके उठल छै कहैछै।”
तब उसब ओकरा पुछल्कै, “कि तु एलिया चिही त?” युहन्ना जबाब देल्कै, “नै।” “तब कि तु अगमबक्ता चिही त?” उ जबाफ देल्कै, “नै।”
महज औरोसब कहैछेलै, “यि त एलिया अगमबक्ता चियै।” औरोसब कहै, “यि त परापुरब कालके एक अगमबक्तासब मेसे एक गोरे चियै।”
उ आपन सहजोगिसबके कहल्कै, “यि बप्तिस्मा दैबला युहन्ने चियै! उ फेनो मुरदासे जिके उठल छै। तब त यि एहेन अजगुत-अजगुतके कामसब करैछै।”
तब फरिसीसब ओइ अन्हर लोकके एकबेर फेनो पुछल्कै, “जे लोक तोहर आँख खोइल देल्कौ, तु ओकर बारेमे कथी कहैचिही?” उ जबाब देल्कै, “उ त अगमबक्ता चियै।”
जब भिरके लोकसब येसुके यि बात सुनल्कै तब कुछ लोकसब कहल्कै, “साँचोके यि लोक त आबैबला अगमबक्ता चियै।”
तब उसब युहन्नाके पुछल्कै, “यदी तु खिरिस्टो नै चिही, एलियो नै चिही आ कोनो अगमबक्तो नै चिही त, कथिले बप्तिस्मा दैचिही?”
ओहै बखत बप्तिस्मा दैबला युहन्ना यहुदियाके उजार जगहमे एलै आ एहेन कहैत परचार करे लाग्लै,
रजा हेरोद येसुके बारेमे सुनल्कै, कथिलेत ओकर नामके चरचा चारुदिसन फैल गेलछेलै। कोइ कहैछेलै, “बप्तिस्मा दैबला युहन्ना फेनो मरके जिबित भेल छै, तैल्याके ओकरसे एहेन सक्तिसाली कामसब भ्यारहलछै।”
एक दिन येसु असगरे परथना करैबखत चेलासब ओकरलग छेलै आ उ ओकरासबके कहल्कै, “लोकसब हमरा के चियै कहैछै?”
महज येसु ओकरासबके कहल्कै, “तुसब कथी कहैचिही त? हम के चियै?” तब पतरुस जबाफदैत कहल्कै, “अहाँ त परमेस्वरके पठेल्हा मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै!”