12 जब सुरुज डुबैसे पहिने बारहो चेलासब आइबके येसुके कहल्कै, “ओकरासबके ज्यादियौ आ उसब आसपासके गाममे ज्याके रहे आ खानाके बन्दोबस करे, कथिलेत अपनासब उजार जगहमे चियै।”
महज येसु ओकरा कुछो नै जबाब देल्कै, तब ओकर चेलासब आइबके ओकरा बिन्ती करल्कै, “अकरा बिदाह कैरदिय, कथिलेत उ कानैत-खिजैत अपनासबके पछुवाइने आबैतछै।”
तकरबाद येसु गालिल तालके ओइपार गेलै। ओकरा तिबेरियस ताल सेहो कहैछेलै।
तकरबाद येसु आपन चेलासबके आपनलग बोल्याके कहल्कै, “यि लोकसबके भिर देखके हमरा दया आबैये। कथिलेत यीसब हमरसङे रहल आइ तिन दिन भ्यागेलै, आब अकरासबके सङे खाइले कुछ नै छै। अकरासबके हम भुखले पठाइले नै चाहैचियै। नै त उसब भुखसे रस्तामे बेहोस भ्याजेतै।”
जब येसु यि बात सुनल्कै तब एकटा नाहमे चहैरके चुप-चाप सुन-सान ठाममे चैलगेलै। महज येसु जाइले लागल छै सुइनके बहुतो लोकसब सहर-सहरसे पैदले चैलके ओकर पछा गेलै।
महज यि बात सुइनके बहुत लोकसब ओकर पछा लाग्लै। उ ओकरासबके स्वागत करल्कै आ परमेस्वरके राजके बारेमे सुनाइल्कै, तब जकरा-जकरा बिमारसे निक हैके आवस्यकता रहै ओकरासबके निक करल्कै।
महज येसु ओकरासबके कहल्कै, “तुहिसब ओकरासबके खाइले दहै।” तब उसब कहल्कै, “हमरौरसङे त पाँच रोटी आ दुइ माछ मातर छै, कि हमसब सब लोकसबके लेल खाइबला किनके आने परतै?”
कथिलेत हमरा थाहछै, कि तोरासबके परथनासे आ येसु खिरिस्टके आत्माके मदतसे हम छुटकरा पाब्बै।