1 एक दिन येसु बारहो चेलासबके ऐके साथ बोलाइल्कै आ उसबके सब भुतसब भगाइले, बिमारसबके निक करैले सक्ती आ अधिकार देल्कै।
“साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, हमरमे बिस्बास करैबला सेहो यि कामसब करे सक्तै जे कामसब हम करैचियै आ ओहौसे पैध कामसब करतै कथिलेत हम पितालग जाइचियै।
हम तोरासबके साँप आ कोकर बिछीसबके उपर खालि लातसे मिसरैके अधिकार देने चियै, सतरुके सब सक्तिके उपर अधिकार देनेचियौ। आब कोनो चिज तोरासबके हानी नै करतौ।
आ निक करैले अहाँ आपन हाथ बरहाइत, आपन पबितर सेबक येसुके नामसे आस्चरज कामसब हैतरहे।”
हम तोरा स्वरग राजके कुजीसब देबौ। पिरथिबीमे जे तु बान्बिही, से स्वरगमे बान्हलजेतौ आ पिरथिबीमे जे तु खोलबिही, से स्वरगमे खोललजेतौ।”
महज पबितर आत्मा तोरासबके उपर एतौ तब तुसब सक्ती पाबबिही आ यरुसलेममे, सरा यहुदिया इलाकामे, सामरिया इलाकामे आ पिरथिबीके अन्ततक हमर साक्छी हेब्ही।”
पतरुस ओकरा कहल्कै, “ऐ एनियास, येसु खिरिस्ट तोरा निक करतौ। उठ आ तोहर बिछान मिला।” तब उ तुरन्ते उइठके ठार भेलै।
येसुके सक्तिसे आ ओकर नाममे बिस्बास करलासे यि लोक निक भेलै जकरा देखरहलचिही आ चिन्हबो करैचिही। येसुमे करल बिस्बासके कारन यि लोक तोरौरके सबके सामने निक भेलौ।
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
कथिलेत हम्हु बरका हाकिमसबके अधिनमे बैठल लोक चियै, या हमरो अधिनमे सिपाहीसब छै। हम एकटाके ‘जो’ कहैचियै त, उ जाइछै, दोसरके ‘या’ कहैचियै त, उ आबैछै। तहिनङे हम आपन नोकरके ‘यि कर’ कहैचियै त, उ ओहिनङे करैछै।”
तकरबाद परभु येसु औरो सतर गोरे चेलासबके छानल्कै आ ओकरासबके दुइ-दुइगोरे कैरके गामसब आ सहरसबमे अपना जायसे पहिने परचार करैले पठाइल्कै।