39 येसुके नौता दैबला फरिसी यि देखके मनेमन कहेलाग्लै, “अगर येसु साच्चेके अगमबक्ता चियै त छुबैबाली जनिजाइत केहन पापी चियै से जाइनजेतियै।”
तब सबकोइ डेरागेलै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत कहल्कै, “अपनासबके बिचमे एकटा बहुत बरका अगमबक्ता एलछै। परमेस्वर आपन लोकसबके बचाइले एलछै।”
तब फरिसीसब आ धरमगुरुसब गुनगुनावे लाग्लै “यि लोक त पापी लोकसबके स्वागत करैछै आ ओइसबके सङे-सङे बैठके खान-पिन करैछै।”
कथिलेत सब परकारके नै निक बातसब मनके भितरसे खराब बिचार, अनैतिक समबन्ध, चोरी, हतिया, बेबिचार
तब यहुदीसब ओइ अन्हर लोकके फेनो दोसर बेर बोल्याके कहल्कै, “परमेस्वरके अगा सत-सत बाज, हमसब जानैचियै कि, यि लोक पापी चियै।”
भिरके बिचमे लोकसब ओकर बारेमे गुदुरफुसुर बतियाइले लाग्लै। कोइ “उ निक छै” कहैछेलै त कोइ “उ त लोकसबके बहकाबै छै” कहैछेलै।
सामरी जनी कहल्कै, “मालिक, अहाँ अगमबक्ता चियै से बात आब हम जाइनगेलियै।
कुछ दिनतक ओकर बात नै मानल्कै, महज उ पाछे आपन मने-मन बिचार करल्कै, ‘हम त परमेस्वरके डर नै मानैचियै आ कोनो लोकोसबके बात नै मानैचियै।
तब उ मुन्सी आपन मनेमन बिचार करल्कै, ‘आब हम कथी करबै, कथिलेत हमर मालिक हमरा मुन्सीके कामसे निकाले लागल छै। हर जोतैले हमरा तागत नै छै, भिख माङैले हमरा लाज हैये।
ओइ सहरमे एकटा पापी जनी छेलै। फरिसीके घरमे येसु खाइले एलछै से बात सुइनके एकटा संगमरमरके सिसीमे अतर ल्याके एलै।
ओइखातिर तुसब आपन पाप माइनके आ पस्चाताव कैरके असल बैनके देखा। ‘अपनासब अबराहमके खन्दानके सन्तान चियै’ तै खातिर दन्डसे भागबै कैहके नै सोच, कथिलेत परमेस्वर अबराहमके लेल यि पथलोसे सन्तान बनाइले सक्तौ।
तब उ आपनमे मनेमन सोचे लाग्लै, ‘हमरा अन राखैले कतौ जगह नै छै, आब हम कथी करबै?’
तब येसु बातके ओराइत कहल्कै, “अहिनङे जे पछा छै, से अगा हेतै आ जे अगा छै से पछा हेतै।”
अगा-पछा चलैबला भिरके लोकसब ओइसबके जबाफ देल्कै, “यि त गालिल परदेसके नासरतसे एल अगमबक्ता येसु चियै।”
उ पछासे आइबके येसुके टाङ लग ठार भ्याके काने लाग्लै आ आपन लोरसे टाङके भिजाबे लाग्लै। उ आपन केससे टाङ पोइछके चुम्मा लेल्कै आ अतर घोसे लाग्लै।
ओहै बखत येसु ओइ फरिसीके कहल्कै, “सिमोन, हमे तोरा कुछ बात कहेके छौ।” उ कहल्कै, “जी गुरु जी, कहु।”