38 उ पछासे आइबके येसुके टाङ लग ठार भ्याके काने लाग्लै आ आपन लोरसे टाङके भिजाबे लाग्लै। उ आपन केससे टाङ पोइछके चुम्मा लेल्कै आ अतर घोसे लाग्लै।
तुसब सोक मना, कान आ बिलाप कर। आपन हसीके सोकमे आ आपन खुसीके उदासिमे बदैलले।
धैन तोरासबके, अखन भुख लागलसब कथिलेत तुसब अघाइबिही! धैन तुसब, अखन कानैबलासब कथिलेत तुसब हाँसविही!
धैनके चियै सोक करैबलासब, कथिलेत ओइसबके सान्ती मिल्तै।
तब पतरुस बाहर निकैलके हेकैच-हेकैचके काने लाग्लै।
ओइ सहरमे एकटा पापी जनी छेलै। फरिसीके घरमे येसु खाइले एलछै से बात सुइनके एकटा संगमरमरके सिसीमे अतर ल्याके एलै।
येसुके नौता दैबला फरिसी यि देखके मनेमन कहेलाग्लै, “अगर येसु साच्चेके अगमबक्ता चियै त छुबैबाली जनिजाइत केहन पापी चियै से जाइनजेतियै।”
ओह्या मरियम पाछे येसुके टाङमे अतर लग्याके आपन केससे पोछनेछेलै। ओकरे भाइ लाजरस बिमार भेल छेलै।