34 मानबके बेटा उ खाइत पियैत एलौ तब तुसब कहबिही, ‘देख, एकटा खाधुस, पियक्कर, बटी उठाइबलासबके आ पापीसबके सङी!’
तब फरिसीसब आ धरमगुरुसब गुनगुनावे लाग्लै “यि लोक त पापी लोकसबके स्वागत करैछै आ ओइसबके सङे-सङे बैठके खान-पिन करैछै।”
येसु एलाके खुसियालीमे भोजन तैयार करल्कै। मारथा सेबा-टहल करेमे लागलछेलै आ लाजरस येसु आ औरो मेजवानसबसङे खाइले बैठल छेलै।
यि देखके सब लोकसब गुदुर-फुसुर करे लाग्लै, “यि त पापीके घरमे मेजमान बनैले गेलै!”
एक पबितर बिसरामके दिन येसु फरिसीसबके एक गोरे सासकके घरमे भोज खाइले गेलै। फरिसीसब ओकरा ध्यानसे देखैछेलै।
एक गोरे फरिसी येसुके खाइके लेल नौता देल्कै तब उ ओइ फरिसीके घरमे गेलै आ खाइले बैठलै।
लेबी आपन घरमे येसुके भोज खाइले नौता देल्कै। ओइ भोजमे बटी उठाइबला आ बहुतरा लोकसब बैठल छेलै।
यि देखके फरिसीसब येसुके चेलासबके कहल्कै, “तोरौरके गुरु बटी उठाइबलासब आ पापीसबसङे कथिले खाइछौ?”
येसु आ ओकर चेलासबके बियाहमे नौता देने रहै।
येसु बोइललेलाके बाद एक गोरे फरिसी खाना खाइले नौता देल्कै। ओहैसे उ घर भितर ज्याके खाना खाइले बैठलै।
यदी तोरासबके परेम करैबलाके मातरे परेम करैचिही त तोरा परमेस्वरसे कोन इनाम भेटतौ? कि करो उठाइबलासब ओइहनङे नै करैछै से?
मानबके बेटा खाइत-पियैत एलौ, तब तुसब कहैचिही, ‘देख, एकटा खाधुस, पियक्कर, बटी उठाइबलासब आ पापीसबके सङी!’ महज परमेस्वरके बुइध असल छै, से बात ओकर कामेसे परमानित हैछै।”
“बप्तिस्मा दैबला युहन्ना उपासे आ अङगुरके मध नै पिके एलै। ‘ओकरा भुत लागल छै कहलिही।’
परमेस्वरके बुइध जकरसङे छै स्याहा ओकर बुइधके ठिक कहैछै।”