30 महज फरिसीसब आ धरमगुरुसब युहन्नासे बप्तिस्मा नै लैके कारन उसब परमेस्वरके योजनाके इन्कार करल्कै।
“ए यरुसलेमके लोकसब! तुसब अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वरके दुतसबके पथल बरसाचिही! जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे घोसाइरके राखैछै, तहिना कतेक बेर हम तोहर लोकसबके भेला करैले चाहलियौ, महज तुसब नै मानलिही।
हमसब परमेस्वरसङे काम करैबलासब भेलाके कारन तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि परमेस्वरसे भेटल अनुगरहके बेरथमे जाइले नै दहै।
महज इजराएलके बारेमे उ कहल्कै, “हमर बात नै मानैबला आ हमर बिरोध करैबलासब हमरलग घुइमके एतै कि कैहके हम दिनभैर आपन हाथ पसारने चियै।”
कथिलेत हम परमेस्वरके सरा योजना सुनाबैले पछामाथे नै ताकलियौ।
ओइसबमेसे एकगोरा धरमगुरु येसुके फसाइके बिचारसे पुछल्कै,
कथिलेत सब बात परमेस्वरके योजना आ इक्छा अनुसार भेलछै। परमेस्वर अपनासबके आपन खुसिसे खिरिस्टमे छानल्कै। यि बात उ पहिनेसे करल योजना अनुसार भेल छेलै।
हम परमेस्वरके अनुगरहके बेरथके नै ठानैचियै। यदि बेबस्था पालन कैरके हमसब परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैचियै त, खिरिस्टके मरनाइ बेरथ हेतै।
येसु कहल्कै, “अइ पुस्ताके लोकसबके हम कथिसे नाप्बै? उसब केहन छै?
‘मानबसे’ कहबै त, सब लोकसब मिलके पथल बरसाके हमरासबके माइरदेतै, कथिलेत युहन्ना अगमबक्ता छेलै से उसब बिस्बास करैछै।”