21 तहै बखत येसु बहुत लोकसबके बहुत परकारके रोगबिमार आ भुतसब निकालल्कै आ बहौतरा अन्हरासबके दिरिस्टी देल्कै।
उ बहुतोके निक करलाके कारन बिमार भेल सबलोक छुबी कैहके ठेलम-ठेल करै।
कथिलेकी जकरा परमेस्वर परेम करैछै, तकरा अनुसासनमे राखैछै, जकरा उ आपन बेटा जखा सुइकार करने छै, तकरासबके दन्डो दैछै।”
तब येसु ओकरा कहल्कै, “बेटी, तु बिस्बास कैलाके कारन निक भेल्ही। निकसे जो। तोहर बिमारसे तु मुक्त भेलचिही।”
तब येसुके बस्तर छुबते मातर तुरन्त ओकर लहु बहैले बन्द भ्यागेलै आ आपन देहके बिमार निक भ्यागेलै से ओकरा थाह भेलै।
येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै, स्वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्कै।
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
येसु लग एलै आ कहल्कै, “बप्तिस्मा दैबला युहन्ना हमरासबके यि पुछैले पठाइने छै, ‘जे आबैबला छै, कि अहाँ योहे चियै? कि हमसब दोसरके आस करु?’”