16 तब सबकोइ डेरागेलै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत कहल्कै, “अपनासबके बिचमे एकटा बहुत बरका अगमबक्ता एलछै। परमेस्वर आपन लोकसबके बचाइले एलछै।”
येसुके नौता दैबला फरिसी यि देखके मनेमन कहेलाग्लै, “अगर येसु साच्चेके अगमबक्ता चियै त छुबैबाली जनिजाइत केहन पापी चियै से जाइनजेतियै।”
जब लोकसबके भिर यि देखल्कै तब उसब डरा गेलै आ लोकसबके एहेन सक्ती दैबला परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।
“इजराएलके परमपरभु परमेस्वरके परसन्सा हेबे, कथिलेत उ एलछै आ आपन लोकसबके छुटकारा देने छै।
ओतेका सब लोकसब आस्चरजमे परलै, उसब परमेस्वरके महिमा करल्कै आ परमेस्वरके अतेक बरका सक्ती देखके उसब डेरागेलै तब कहल्कै, “आइ हमसब अचमके काम देखलियै।”
चरबाहासबके स्वरगदुतसब जे बात कहने रहै ओहिनङे सब बात सुनल्कै आ देखल्कै तब परमेस्वरके महिमा आ परसन्सा करैत घुइमके गेलै।
यि देखके सब परोसियासब डर्यालछेलै। यहुदियाके जम्मे पहाड़ी इलाकासबमे यि घटनाके चरचा फैलगेलै।
अगा-पछा चलैबला भिरके लोकसब ओइसबके जबाफ देल्कै, “यि त गालिल परदेसके नासरतसे एल अगमबक्ता येसु चियै।”
जब जम्मा भेल लोकसब बौकासबके बोलैत, लुल्हासबके निक भेल, नेङरासबके चलैत आ अन्हरासब देखे लाग्लै से देखके छक्क परलै आ इजराएलके परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।
उसब हम परिबरतन भेलाके कारन परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।
यि बात सुइनके हननिया भुइयामे खस्लै आ मैरगेलै। यि बात सुनैबला सबकोइके मनमे डर ढुइक गेलै।
तब फरिसीसब ओइ अन्हर लोकके एकबेर फेनो पुछल्कै, “जे लोक तोहर आँख खोइल देल्कौ, तु ओकर बारेमे कथी कहैचिही?” उ जबाब देल्कै, “उ त अगमबक्ता चियै।”
तब उ लोकसब येसुके करल अजगुतके काम देखके कहेलाग्लै, “अपनासबके आस करल सन्सारमे आबैबला अगमबक्ता साँचोके एह्या चियै।”
सामरी जनी कहल्कै, “मालिक, अहाँ अगमबक्ता चियै से बात आब हम जाइनगेलियै।
तब उसब युहन्नाके पुछल्कै, “यदी तु खिरिस्टो नै चिही, एलियो नै चिही आ कोनो अगमबक्तो नै चिही त, कथिले बप्तिस्मा दैचिही?”
तब उसब ओकरा पुछल्कै, “कि तु एलिया चिही त?” युहन्ना जबाब देल्कै, “नै।” “तब कि तु अगमबक्ता चिही त?” उ जबाफ देल्कै, “नै।”
तब येसु ओइसबके पुछल्कै, “कोन घटनासब?” उसब जबाब देल्कै, “येसु नासरतके बारेमे, उ एक गोरा अगमबक्ता रहै। उ परमेस्वर आ लोकसबके सामने काम आ बचनमे सक्तिसाली रहै।
उसब जबाफ देल्कै, “कोइ बप्तिस्मा दैबला युहन्ना कहैछै, कोइ एलिया आ कोइ पहिन्का कोनो अगमबक्तासब मेसे एक गोरे जिके उठल छै कहैछै।”
तकरबाद गेरासेनस राजके अगल-बगल गामके लोकसब अतेसे चैलजाउ कैहके बिन्ती करल्कै। कथिलेत उसब एकदम डर्यालछेलै। तब येसु नाहमे चहैरके जाइले लाग्लै।
तब यि देखके येसुके टाङमे ठेङहुनिया दैत गोर लाइगके सिमोन पतरुस कहल्कै, “हे परभु हमर लगसे दुर चैलजो कथिलेत हम पापी चियै।”
उ जनिसबमे डर भेलै तैयो खुसीसे यि समाचार चेलासबके सुनाबैके लेल चिहानसे दौरते गेलै।
यि ओह्या मोसा चियै, जे इजराएलीसबके कहने रहै, ‘परमेस्वर हमरा तोरे सबके खातिर हमर जखा अगमबक्ता पठाइतौ।’
उसब तोरा आ तोहर सन्तानसबके धरतीमे पटकतौ, पथल उपर पथलोके बाकी नै छोरतौ, कथिलेकी तु आपन उपर भेल परमेस्वरके किरपाके समय नै जाने सकलिही।”
मरलहा जबान लोक उठके बैठलै आ बोले लाग्लै। येसु ओकर माँके जिमा लग्या देल्कै।