13 जब परभु येसु ओइ बिधुवाके देखल्कै तब ओकर हिरदय दयासे भैरगेलै आ कहल्कै, “नै कान!”
कथिलेत अपनासबके परधान पुजारी अपनासबके दुरबलतामे साथ नै दैबला पुजारी नै चियै। उ अपनेसब जखा सब बातमे परिक्छामे परलै महज तैयो पाप नै करल्कै।
ओइठाम भिर भेल्हा सब लोकसब कानैखिजै छेलै। येसु ओकरासबके कहल्कै, “नै कानै, उ नै मरल छौ, महज सुतल छौ।”
ओहैसे सब बातमे उ आपन भाइ-भैयासब जखा बनैले आबस्यक छेलै। ताकि उ परमेस्वरके सेबामे दयालु आ बिस्बासयोग्य परधान पुजारी बन्लै आ लोकसबके पाप छमा दैकेलेल उ आपने बली भेलै।
येसु ओकरा कहल्कै, “ऐ बहिन, तु कथिले कानैचिही? ककरा ताकैचिही?” मरियम ओकरा फुलबारीके माली हेतै कैहके कहल्कै, “हजुर, अहाँ परभुके अतेसे ल्यागेल चियै त हमरा कैह दिय कि कते राखने चियै। हम ओकरा ल्याजेबै।”
“यि लोकसबके देखके हमरा दया लागल, कथिलेत तिन दिनसे उसब हमरसङे छै महज उसबसङे खाइबला कुछो नै छै।
ओह्या मरियम पाछे येसुके टाङमे अतर लग्याके आपन केससे पोछनेछेलै। ओकरे भाइ लाजरस बिमार भेल छेलै।
आ उ लोकसब ओइ दुनुगोराके कहल्कै, “परभु साँचोके जिके उठलछै आ सिमोन लग परगट भेल छै!”
तब परेरितसब येसुके कहल्कै, “परभु हमरासबके बिस्बास बरहा दिय।”
जेसब सोक करैछै उसब सोक नै करल जखा रहे आ खुसी हैबलासब खुसी नै भेल जखा हेबे। बेच-बिखन करैबलासब आपनसङे किछो नै भेल जखा रहे।
उसब मरियमके पुछल्कै, “ऐ बहिन, तु कथिले काइनरहल चिही।” मरियम ओइसबके जबाब देल्कै, “उसब हमर परभुके उठ्याके ल्यागेलै आ कते घोसाइरके राखनेछै से हम नै जानैचियै।”
महज परभु ओकरासबके जबाफ देल्कै, “ए कपटीसब, के पबितर बिसरामके दिनमे आपन गाइ या गदहाके खुट्टासे घुरी खोइलके पानी पिआइले नै लजाइचिही से?
तकरबाद परभु येसु औरो सतर गोरे चेलासबके छानल्कै आ ओकरासबके दुइ-दुइगोरे कैरके गामसब आ सहरसबमे अपना जायसे पहिने परचार करैले पठाइल्कै।
यि पुछैले परभु लग पठाइल्कै, “जे आबैबला कि अहाँ उहे चियै? कि हमसब दोसरके आस करु?”
देख भाइसब, मरलहा बिस्बासीसबके कि हैछै से तोरासबके थाह हेबे से हमसब चाहैचियै, ताकि आसा नै भेल्हा लोकसब जखा तोरासबके सोक करे नै परे।
तब येसु घुइमके पतरुस दिसन ताकल्कै। “आइ मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा तिन बेर इन्कार करबिही” परभुके कहलाहा बचन पतरुसके मनमे याद एलै।
जब येसु गामके दुवारमे पुग्लै, तब बिधुवाके एकलौता बेटाके लहास बोइकके कठियारी जाइ छेलै। ओइ बिधुवासङे गामके बहुतरा लोकसब छेलै।
लगमे ज्याके लहासबला खटिया छुबल्कै, तब बोकैबलासब ठार भ्यागेलै। येसु कहल्कै, “ए जबान, हम तोरा कहैचियौ, उठ!”
एक दिन कोनो एक ठाममे येसु परथना करैतरहै। परथना कैरलेलाके बाद ओकर चेलामेसे एकटा चेला कहल्कै, “परभु जी, युहन्ना जैहनङ आपन चेलासबके परथना करैले सिखेल्कै तैहनङे हमरोऔरके सिखाबु।”
महज येसु ओकरा कहल्कै, “तु फरिसीसब थारी आ बाटी बाहरसे त माजैचिही, महज तोरासबके भितर लोभ आ नै निक बातसे भरल रहैछौ।
परभु उतर देल्कै, “बफादार आ बुधिमान मुखिया के चियै, जकरा ओकर मालिक आपन घरके सब कामकाजके जिमा देतै आ आपन नोकरसबके ठिक समयमे खाना दैकेलेल खटेतै।
तब फेनो येसु कहल्कै, “अगर तोरासबके बिस्बास रायके बियो बमौजी हेतौ त यि तुतके गाछके, ‘तु उखैरके समुन्दरमे रोपा जो’ कहबी त तैहनङ हेतौ।”
तब परभु येसु कहल्कै, “सुन, उ दुस्ट नियायधिस कथी कहैछौ।
जक्कैया परभुके अगा ठार भ्याके कहल्कै, “देखु, परभु हम आब आपन सब धन-सम्पतीके अधा हिस्सा गरिबसबके बाइट देबै आ ककरोसे ठैक फुस्याके कुछो लेने हेबै त हम ओकर चौबर फिरता कैरदेबै।”
महज उसब जब भितर ढुक्लै तब भितरमे परभु येसुके लहास नै देखल्कै।
येसु युहन्नासे बेसी चेलासब बनाइछै आ बप्तिस्मा दैछै से बात फरिसीसब सुन्नेछै कैहके येसु जानल्कै।
तब तिबेरियास सहरसे औरो नाहसब ओइ ठामलग एलै, जते येसु परमेस्वरके धन्यबाद द्याके लोकसबके रोटी खियाइने छेलै।
तैखातिर दुनु बहिन येसुके एहेन कैहके समाध पठाइने छेलै, “परभु, जकरा अहाँ परेम करैचियै, उ बिमार भेल छै।”