45 असल लोक आपन मनके भितरसे असल बात निकालैछै। खराब लोक आपन मनके भितरसे खराबे बात निकालैछै। कथिलेत जे बात मनके भितरमे रहैछै ओहिना बात बोलैछै।”
तोरासबके मुहसे खराब बात नै निक्ले, महज भलाइ करैबला आ मिठ बचन बोल ताकि सुनैयोबलासबके भलाइ हेबे।
जे कोइ हमर उपर बिस्बास करैछै, पबितर धरमसास्तरमे कहल अनुसार उ लोकके हिरदयसे जिबित पानीके लदीसब बहतै।”
खिरिस्टके बचनसे तोरासबके हिरदय परसस्त कैरके भरल रहे। आपन पुरे ग्यान-बुइधसे एक दोसरके सिखा आ सल्लाह दैबला काम कर। परमेस्वरके हिरदयसे धन्यबाद दैत भजन, इस्तुति-परसन्सा आ आत्मिक गितसब गाब।
जनङ नोन तरकारिके सबदगर बनाइछै तैहनङ तोरासबके बोलिबचन हरदम अनुगरहसे भरल आ सुनैले असल लागैबला हेबे। तुसब असलसे जबाफ कनङके देबे परतै से जाने परतौ।
परमपरभु कहैछै, ‘आबैबला दिनमे हम इजराएलके लोकसबसङे यि करार बान्हबै। तोरासबके मनमे हम आपन बेबस्था राइखदेबौ, तोरासबके हिरदयमे उ लिखदेबौ। हम तोरासबके परमेस्वर हेबौ आ उसब हमर लोक हेतै।’
एक-आपसमे भजन, गित आ पबितर आत्मासे देल गित गाब आ परभुके खातिर आपन हिरदयसे धुन निकाल।
तब पतरुस कहल्कै, “ऐ हननिया, पबितर आत्मा सङे कथिले झुठ बोलैचिही, जमिन बेचलहा कन्हिक हिस्सा आपनसङे राखबै से बात सैतान कनङके तोहर मनमे भोइर देल्कौ?
उ सब लोकसबके नियाय करतै। तब ओइसबके अधरमसे करल सब दुस्ट काम आ ओकर बिरोधमे हरेक घिनलागैबला बात बोलैबला दुस्ट लोकके दन्ड देतै।”
खिरिस्टके पबितर जनसबमेसे हम सबसे तुच्छ चियै तैयो खिरिस्टके महान सम्पतीके सुसमाचार गैर-यहुदीसबके सुनाइबला बरदान परमेस्वर हमरा देल्कै।