37 “ककरो दोस नै लगा तोरोसबके परमेस्वर दोस नै लगाइतौ। दोसरके गलत नै ताक तब परमेस्वर तोरोसबके गल्ती नै ताकतौ। लोकसबके छमा दहै तब परमेस्वर तोरोसबके छमा करतौ।
महज एक-दोसरके दया देखा। जनङ परमेस्वर तोरासबके खिरिस्टमे छमा करल्कौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके छमा कर।
हौ भाइ-भैयासब, एक-दोसरके बिरोधमे नै गनगनाइत रह, नै त तुसब दोसी ठहरबे। देख, नियाय करैबला देहरीएमे आइबगेलछौ।
जखुन तुसब परथनाके लेल खरा हेब्ही, तब ककरो बिरुधमे तुसब कुछो छौ त ओकरा माफ कर, जै से तोहर पिता जे स्वरगमे छौ सेहो तोहर अपराध माफ कैरदेतौ।
तुसब एक-दोसरके सहन कर, ककरो बिरोधमे मन दुखाइबला बातसब छौ त छमा कर। जनङ तोरासबके परभु छमा करनेछौ तैहनङ तुहुसब एक-दोसरके छमा करेपरतौ।
धैनके चियै दया करैबलासब, कथिलेत उसब दया पाबतै।
महज उ नै मानल्कै आ करजा नै सधाबै तक ओकरा जहलमे राइख देल्कै।
तोरासबके परमेस्वर पिता जेहेन दयालु छौ, तुहुसब ओहिनङ दयालु हो।
तै खातिर आब हम अकरा दन्ड द्याके छोइर दैचियै।”
अबराहम, इसहाक आ याकुबके परमेस्वर, अपनासब पुरखासबके परमेस्वर आपन सेबक येसुके महिमीत करल्कै, जकरा अहाँसब पकराइलियै आ पिलातस ओकरा छोइरदैके बिचार करल्कै तैयो अहाँसब ओकरा पिलातसके अगामे इन्कार करलियै।
कथिलेकी जे लोक किरपा नै करैछै ओकर नियाय किरपे बिनाके हैछै। किरपा नियायके उपर बिजय हैछै।